देश-दुनिया

श्रीलंकाक राष्ट्रपति बिहारक महाबोधि मन्दिरमे कयलनि पूजा-अर्चना

बोधगया
*

श्रीलंकाक राष्ट्रपति अनुरा कुमार दिसानायके, जे तीन दिवसीय भारत यात्रापर छथि, मंगलदिन बिहारक बोधगयामे महाबोधि मन्दिरमे पूजा-अर्चना कयलनि। बोधगया अयबासँ पहिने ओ दिल्लीमे राष्ट्रपति द्रौपदी मुर्मू आ प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी सहित कतेको दिग्गज नेतासँ भेंट कऽ चुकल छथि।

एहि अवसर पर बोधगया मन्दिर समाजक सदस्य लोकनि हुनक गर्मजोशीसँ स्वागत कयलनि। स्वागतक बाद राष्ट्रपति महाबोधि मन्दिर गेलाह आ भगवान बुद्धक विशेष प्रार्थना कयलनि। एहि दौरान सुरक्षाक कड़ा इंतजाम छल।

श्रीलंकाक राष्ट्रपति दिसानायकेक आगमनक कारण हवाई अड्डासँ महाबोधि मन्दिर धरि अतिरिक्त पुलिस बल तैनात कयल गेल छल। हुनक आगमनसँ पहिने, हवाई अड्डासँ बोधगया धरि सड़क आम लोकक लेल बन्द कऽ देल गेल छल।

गयाक जिला कलेक्टर डॉ. त्याग राजन एस.एम. कहलनि जे श्रीलंकाक राष्ट्रपति दिसानायकेक आगमनक कारण मंगलदिन भोर १०.३० बजे धरि आम भक्तलोकनिक प्रवेशपर रोक लगा देल गेल छल। श्रीलंकाक राष्ट्रपतिक प्रस्थानक बाद आम भक्तलोकनिकेँ मन्दिरमे प्रवेश करबाक अनुमति देल गेल।

उल्लेखनीय अछि जे दिसम्बरक मासमे विभिन्न देशसँ बौद्ध भक्त बोधगया पहुँचैत छथि आ भगवान बुद्धक पूजा करैत छथि।

श्रीलंकाक राष्ट्रपति अनुरा कुमार दिसानायके तीन दिवसीय आधिकारिक भारत यात्रापर छथि। सितम्बरमे पदभार सम्हारलाक बाद ई हुनक पहिल विदेश यात्रा अछि। बोधगया अयबासँ पहिने ओ दिल्लीमे राष्ट्रपति द्रौपदी मुर्मू आ प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी सहित कतेको दिग्गज नेतासँ भेंट कऽ चुकल छथि।

नई दिल्लीमे प्रधानमंत्री मोदीक सङ्ग राष्ट्रपति अनुरा कुमार दिसानायकक बीच भेँटक क्रममे दुनू नेता स्वीकार कयलनि जे पछिला किछु वर्षमे द्विपक्षीय सम्बन्ध मजबूत भेल अछि आ श्रीलंकाक सामाजिक-आर्थिक विकासमे महत्वपूर्ण योगदान देलक अछि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *