चुनाव

लोकतंत्र आ संविधान बचाबय केर ई लोकसभा चुनाव : सोनिया गांधी

नई दिल्ली
*

लोकसभा चुनावक छठम चरणमे आठ राज्य आओर केंद्र शासित प्रदेशक ५७ लोकसभा सीट पर मतदान होबय वाला अछि। एहिमे दिल्लीक सात लोकसभा सीट सेहो शामिल अछि।

छठम चरणमे मतदान होबय वाला लोकसभा सीट पर बृहस्पतिकेँ सांझ ६ बजे केर बाद चुनाव प्रचार बंद भऽ गेल।

दिल्लीक सातों सीट पर मतदानसं पहिने कांग्रेसक पूर्व अध्यक्ष सोनिया गांधी मतदातासँ विशेष अपील कयने छथि। हुनकर एकटा वीडियो मैसेज जारी भेल अछि।

एहि वीडियोमे ओ कहलनि जे, “हमर प्रिय दिल्लीक जनता, ई बहुत महत्वपूर्ण चुनाव अछि। ई लोकसभा चुनाव देशक लोकतंत्र आ संविधानकेँ बचाबय केर चुनाव अछि। ई चुनाव बेरोजगारी, महंगाई, संवैधानिक संस्था पर आक्रमण जेहन मुद्दा पर लड़ल जा रहल अछि। अहाँकेँ एहि लड़ाईमे अपन भूमिका निभाबय पड़त।”

ओ आगू कहलनि जे, “अहाँक हर वोटसँ रोजगार पैदा होयत, महंगाई कम होयत, महिला सशक्त होयत आ उज्जवल भविष्यमे समानता आ बराबरीक भारत बनत। हम अहाँ सबसँ अपील करैत छी जे सब सात लोकसभा पर कांग्रेस आ इंडिया एलायंसक उम्मीदवारकेँ वोट करू आ भारी मतसँ हुनका सभकेँ विजयी बनाउ।”

बतबैत चली जे २५ मईकेँ दिल्लीक सातों सीट पर वोटिंग होएत।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *