मुजफ्फरपुर जिलामे शराब तस्करीक खिलाफ चलि रहल अभियानक तहत पुलिसकेँ बड़का सफलता भेटल अछि। सकरा थाना क्षेत्रक सवाह चौकसँ राजस्थान पंजीयन संख्या बला एकटा ट्रकसँ एक करोड़ टाकाक विदेशी शराब जब्त कयल गेल। १८ पहिया वला ट्रक पर आलूक बोराक नीचा कुल ९८८ डिब्बा प्रीमियम ब्रांडक विदेशी शराब नुका देल गेल छल।
ई कार्रवाई ग्रामीण एसपी विद्या सागरक नेतृत्वमे गठित एकटा विशेष टीम द्वारा कयल गेल अछि। छापामारीक दौरान पुलिस ट्रकक चालककेँ गिरफ्तार कऽ लेलक। ओकर पहिचान राजस्थानक बाड़मेर जिलाक रामसर थानाक लघु तल्ला खारिनक निवासी चिमन चौधरीक रूपमे भेल अछि। पुलिस ओकर मोबाइल फोन सेहो जब्त कऽ लेलक अछि।
पुलिस द्वारा प्रारंभिक जांचमे पता चलल अछि जे हिमाचल प्रदेशसँ मुजफ्फरपुर आ ओकर लगपासक जिलामे हाई रेट पर सप्लाईक लेल एकटा ट्रकमे ९८८ डिब्बा विदेशी शराब पठाओल गेल छल। शराब माफिया लगातार ट्रक चालकक संपर्कमे छल। ओ लगातार व्हाट्सएप कॉलक माध्यमसँ ड्राइवरक मार्गदर्शन करैत छल।
समस्तीपुर आ वैशालीक माफियाक सङ्ग सौदा फाइनल नहि भेलाक बाद पछिला दू दिनसँ सकरा थाना क्षेत्रक एकटा ढाबा लग शराबसँ भरल एकटा ट्रक ठाढ़ छल। एम्हर कियो एसएसपी राकेश कुमारकेँ गुप्त सूचना देलक। ओ ग्रामीण एसपी आ डीएसपी पूर्वी टीमक नेतृत्वमे एकटा विशेष दल छापा मारबाक लेल पठौलनि। टीम सबहा चौक लग छापा मारलक आ शराबसँ भरल ट्रक बरामद कयलक। पुलिसकेँ देखि चालक भागबाक प्रयास कयलक, मुदा ओकर पीछा कयल गेल आ पकड़ल गेल।
ग्रामीण एसपी विद्या सागर बतौलनि जे शराबक संग राजस्थानक नंबरक १८ चक्का ट्रक जब्त कऽ लेल गेल अछि। एहिमे दूटा फास्टैग नंबर अछि। एकटा फास्टैग गिरफ्तार चालक चिमन चौधरीक नाम पर अछि। संगहि दोसर फास्टैग केकर नाम अछि एकर जानकारी एकत्रित कयल जा रहल अछि।सकरा थाना अधिकारी राजू पाल कहलनि जे डीटीओसँ सम्पर्क कऽ ट्रकक मालिकक पता लगायल जा रहल अछि।