राजनीति

संभलक अपराधीकेँ बख्शल नहिं जाय : सांसद रवि किशन

नई दिल्ली
*

अभिनेता-सांसद रवि किशन कहलनि अछि जे उत्तर प्रदेशक सम्भलमे जामा मस्जिद सर्वेक्षणमे शामिल सभटा अपराधीकेँ दण्डित कयल जयबाक चाही।
प्रशासन सम्भलमे जामा मस्जिद सर्वेक्षणक दौरान भेल हिंसा पर दोषीसभक विरुद्ध कठोर निर्णय लेलक अछि। आब सब आरोपीक पोस्टर सार्वजनिक जगह पर लगाओल जाएत।

एहि मुद्दा पर सांसद रवि किशन कहलनि, “दोषी सभकेँ सजा भेटबाक चाही। समाजमे जे कियो दंगा कऽ रहल अछि, जे कियो एहेन स्थिति उत्पन्न कऽ रहल अछि जे कियो मरि जाए, ओकरा छोड़ल नहि जाय। एहेन लोककेँ देशमे कतहु नहिं छोड़ल जयबाक चाही।”

अभिनेता-सांसद रवि किशन, जे अपन विशेष शैलीक लेल जानल जाइत छथि, बुधदिन लोकसभामे अपन भोजपुरी अंदाजमे सभकेँ चकित कऽ देलनि। रेलवे संशोधन विधेयक, २०२४ पर चर्चाक क्रममे जखनि पीठासीन अधिकारी जगदम्बिका पाल गोरखपुरक सांसद रवि किशनसँ अपन बात जल्दिये समाप्त करबाक आग्रह कयलनि तखन रवि किशन कहलनि, “भैया, एतना उपलब्धि है, थोड़ा टाइम लागी।”

अपन सरकारक उपलब्धि गिनाबैत रवि किशन कहलनि, “हमसभ एतेक काज कयलहुँ अछि जे एतेक कम समयमे एकर गिनती कोना करब। एकरा लेल हमरा दूसँ तीन घंटा समय दियौ।” ई सुनि अध्यक्ष जगदम्बिका पाल सेहो हँसैत कहलखिन, “गागरमे सागर भरी दिहल।”

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *