विधि-व्यवस्था

सिद्धारमैया कहलनि जे एसआईटी जांचमे उपमुख्यमंत्री वा हमर कोनो भूमिका नहिं

बेंगलुरु
*

कर्नाटकक मुख्यमंत्री सिद्धारमैया स्पष्ट कयलनि अछि जे जद(एस) सांसद आ हासनसँ लोकसभा उम्मीदवार प्रज्वल रेवन्नासँ जुड़ल कथित यौन काण्डक जाञ्चमे उपमुख्यमंत्री डीके शिवकुमार वा हुनक कोनो हाथ नहिं अछि।

पूर्व मुख्यमंत्री एचडी कुमारस्वामी आरोप लगओने छलाह जे एसआईटी पीड़ितसभकेँ वेश्यावृत्तिक मामिलामे फंसेबाक धमकी दऽ शिकायत दर्ज करबा लेल बाध्य करबाक प्रयास कऽ रहल अछि। ओ राज्यपालसँ भेंट कऽ सीबीआई जाञ्चक माँग सेहो कयने छलाह।

राष्ट्रीय महिला आयोग (एनसीडब्ल्यू) बृहस्पतिकेँ कहलक जे एहि मामिलाक एकटा शिकायतकर्ता दावा कयलक जे किछु लोक हुनका उत्पीड़नक धमकी दऽ झूठ शिकायत दर्ज करबा लेल मजबूर कयने छलथि।”

शुक्रदिन मैसूरमे संवाददाता सभसँ बातचीत करैत मुख्यमंत्री सिद्धारमैया कहलनि, “हमसभ अपन पुलिसपर भरोसा करैत छी। एसआईटीकेँ कानूनी जांच करय दिअ आ अपन रिपोर्ट प्रस्तुत करय दिअ।”

ओ कहलनि, “हम कतेको मामिलाक जांच सीबीआईकेँ सौंपने छलहुँ। भाजपा सरकार अपन कार्यकालमे कोनो मामिला सीबीआईकेँ नहि सौंपलक। भाजपा सीबीआईकेँ ‘भ्रष्टाचार ब्यूरो ऑफ इन्वेस्टिगेशन’ कहने छल। जखन कि पूर्व प्रधानमंत्री एचडी देवगौड़ा एकरा ‘चोर बचाओ इन्वेस्टिगेशन’ कहने छलथि। आब ओ सीबीआईकेँ प्राथमिकता दए रहल छथि।”

हम जांचमे हस्तक्षेप नहिं कए रहल छी। हम एसआईटी जांच पर भरोसा करैत छी। पहिने हमर पुलिस मामिलाकेँ कुशलतापूर्वक सम्हारैत छल। लेकिन, हम हुनका कानूनक खिलाफ जाए केर लेल नहिं कहब।

एहि घोटालासँ कोनो अन्तर्राष्ट्रीय सम्बन्ध नहि अछि। एसआईटीमे हमर पुलिस शामिल अछि। हमरा अपन पुलिस अधिकारी पर भरोसा करए केर चाही। राज्यक सभ आपराधिक मामिलाक जाँच हुनका सभ द्वारा कयल जा रहल अछि।

सिद्धारमैया कहलनि, “हम आईएएस अधिकारी डीके रविक आत्महत्या मामिला, लॉटरी घोटाला, मंत्री केजे जॉर्जक मामिला आ हिन्दू कार्यकर्ता परेश मेस्टाक मृत्युक मामला सीबीआईकेँ सौंपि देने छलहुँ। कोनो मामिलामे सजा नहिं भेल। एकर मतलब ई नहि जे हम सीबीआई पर भरोसा नहिं करैत छी। एहि सेक्स वीडियो कांड मामिलामे हमरा स्थानीय पुलिस पर भरोसा अछि।
सीएम स्पष्ट कयलनि कि मामिलामे शिवकुमार वा हुनक कोनो हस्तक्षेप नहिं अछि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *