बांग्लादेशमे शेख हसीना सरकारकेँ उखाड़ि फेकल गेल अछि। चलि रहल हिंसाक बीच देश भरिमे अवामी लीगक २० नेता सहित २९ लोकक शव भेटल अछि।
ढाका ट्रिब्यूनक खबरि अनुसार ई मृत्यु बांग्लादेशक पूर्व प्रधानमन्त्री शेख हसीनाक इस्तीफा दऽ सोमदिन देश छोड़लाक बाद भेल अछि। हिंसा प्रभावित सतखीरामे कमसँ कम १० लोकक मृत्यु भऽ गेल छल आ कोमिल्ला शहरमे भीड़क हमलामे ११ गोटे मारल गेल अछि।
एहि उथल-पुथलक कारण अवामी लीगक नेता आ कार्यकर्तासभक घर आ व्यापारिक प्रतिष्ठानमे पैघ स्तरपर तोड़फोड़ आ लूटपाट भेल अछि। पुलिस कतेको शहरमे आगजनीक घटनाक सूचना सेहो देलक अछि।
ढाका ट्रिब्यूनक खबरि अनुसार प्रत्यक्षदर्शीक कहब छनि जे अशोकतलामे पूर्व पार्षद मोहम्मद शाह आलमक घरपर हमला कयल गेल छल। भीड़ हुनकर घरमे आगि लगा देलक।
आगिमे पाँच नाबालिग सहित छओ लोकक मृत्यु भऽ गेल, जिनकर शव सोम राति आ मंगल दिन भोरमे बरामद कयल गेल।
तहिना नटोर-२ (सदर आ नाल्दंगा) निर्वाचन क्षेत्रक सांसद शफीकुल इस्लाम शिमुलक घरमे भीड़ आगि लगा देलक, जाहिमे चारि गोटेक मृत्यु भऽ गेल। बादमे हुनकर शव घरक अलग-अलग कोठरी आ बालकनीमे भेटल।
ढाकाक गुलिस्तान क्षेत्रमे अवामी लीगक केन्द्रीय कार्यालयक किछु हिस्सामे आगि लगा देल गेल, जखनि कि सैकड़ो लोक जरैत भवनसँ फर्नीचर, टाइल, छड़ आ अन्य सामान लूटि लेलक।
शेख हसीनाक इस्तीफाक तुरन्त बाद आ पुनः मंगलदिन लगभग १२.३० बजे कार्यालयमे आगि लगा देल गेल।
फेनीमे स्थानीय पुलिसकेँ बुधदिन जुबा लीगक दूटा नेता मुश्फिकुर रहीम आ बादशा मियाँक शव भेटल। देश भरिमे अवामी लीगक नेता आ अल्पसंख्यक लोकनि चलि रहल हिंसाक मुख्य निशाना बनि रहल छथि।
एकटा विनाशकारी घटनामे खुलना डिवीजनक जबीर इंटरनेशनल होटलमे भीड़ आगि लगा देलक, जाहिमे २४ लोकक मृत्यु भऽ गेल। ई होटल जशोर जिला अवामी लीगक महासचिव शाहीन चकलादारक अछि।
अग्निशमन सेवाक उप निदेशक मामुन महमूद कहलनि, “शव अलग-अलग मंजिल पर पड़ल छल। मंगलदिन स्थानीय समयानुसार भोर ५.४५ बजे आगि बुझा देल गेल।”