भारत निर्वाचन आयोग शुक्रदिन जम्मू-कश्मीर आ हरियाणामे विधानसभा चुनावक तारीखक घोषणा कयलक। यद्यपि महाराष्ट्र आ झारखण्डमे सेहो विधानसभा चुनाव होयबाक अछि। मुदा, निर्वाचन आयोग मात्र जम्मू-कश्मीर आ हरियाणाक लेल चुनाव घोषित कयलक।
एकटा प्रश्नक उत्तरमे आयोग कहलक जे चारि ठाम एक सङ्ग चुनाव करबामे सुरक्षा बलक तैनाती एकटा पैघ समस्या भऽ सकैत अछि। एहि लेल एखन दू ठाम चुनावक घोषणा कएल गेल अछि।
आब एनसीपी (सपा) प्रमुख शरद पवार एहि मामिला पर प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी पर कटाक्ष कयलनि अछि। ओ कहलनि, “प्रधानमंत्री अपन भाषणमे कहलनि जे पूरा देशक चुनाव एक सङ्ग होयबाक चाही। मुदा, चुनावक घोषणा मात्र जम्मू-कश्मीर आ हरियाणामे भेल अछि। झारखंड आ महाराष्ट्रमे चुनाव घोषित नहिं कयल गेल अछि।”
पवार आइना देखाबैत कहलनि जे सरकार चारि राज्यमे विधानसभा चुनाव नहिं करा सकैत अछि आ देश भरिक सभ विधानसभाक चुनाव एक सङ्ग करयबाक बात करैत अछि। शरद पवार नरेन्द्र मोदीकेँ ‘एक राष्ट्र, एक चुनाव’ पर चुनौती देलनि अछि। शरद पवार इहो कहलनि जे एहि समय देशमे शान्तिक आवश्यकता अछि।
ओ आगू कहलनि जे लाल किला पर प्रधानमंत्री ई बात रखलनि जे पूरा देशक चुनाव एक संग होयबाक चाही। १२ घंटा सेहो नहिं भेल छल प्रधानमंत्रीक कहल बातक आ निर्वाचन आयोग जम्मू-कश्मीर आ हरियाणामे चुनावक घोषणा कयलक। मुदा झारखंड आ महाराष्ट्र चुनावक घोषणा नहिं भेल। पवार कहलनि जे जखन प्रधानमंत्री सभ राज्यमे एक संग चुनाव करयबाक नीति प्रस्तावित कऽ रहल छथि तखन महाराष्ट्र चुनावक घोषणा नहिं करब एक तरहक विरोधाभास अछि।
शरद पवार शनिदिन नागपुर जिलाक दौरा पर छलथि। एहि दौरान ओ अपन पार्टीक नेता आ पदाधिकारी सभसँ बातचीत कयलनि।