१९५२ मे पहिल लोकसभा चुनावक बाद ई पहिल बेर अछि जखन बिहारक मिथिला क्षेत्रसँ एक सङ्ग तीनटा महिला सांसद चुनल गेल छथि। वैशालीसँ लोजपा (आर) केर वीणा देवी, शिवहरसँ जेडीयू केर लवली आनंद आ समस्तीपुरसँ लोजपा (आर) केर शाम्भवी चौधरी जीतकेँ उत्तर बिहारक राजनीतिमे इतिहास रचि चुकल छथि। ओहिमे शाम्भवी नव चेहरा छथि। एहि जीतक सङ्ग ई महिला लोकनि इहो साबित कऽ देलनि जे आधा जनसंख्या ज्ञान, विज्ञान, कला-संस्कृति आ राजनीतिमे सशक्त अछि। वैशालीमे वीणा देवी राजदक विजय कुमार शुक्ल उर्फ मुन्ना शुक्लाकेँ पराजित कयलनि। शिवहरमे लवली आनन्द राजदक रितु जायसवालकेँ पराजित कयलनि। समस्तीपुरमे शाम्भवी चौधरी कांग्रेसक उम्मीदवार सन्नी हजारीकेँ पराजित कयलनि। १९५२ सँ मिथिला क्षेत्रीय बिहारक मात्र दूटा महिला एके संग दिल्ली गेल छलथि। १९८० मे किशोरी सिन्हा वैशालीसँ सांसद आ शिवहरसँ रामदुलारी सिन्हा चुनल गेलीह। हुनक बाद १९८४ मे बिहारसँ सर्वाधिक नौ गोट महिला लोकसभाक लेल चुनल गेलीह। ओहिमे मोतिहारीसँ प्रभावती गुप्ता आ वैशालीक किशोरी सिन्हा छलीह। २००९मे शिवहरसँ रमा देवी आ उजियारपुरसँ अश्वमेघ देवी सांसद बनलीह। वर्ष २०१९ मे रमा देवी एक बेर फेर शिवहरसँ सांसद बनलीह। ओही समय वैशालीसँ वीणा देवी जीति गेलीह। एहि लोकसभा निर्वाचन क्षेत्रमे महिला मतदाताक भागीदारी महत्वपूर्ण छल। वैशालीमे ३,४८,३६९ मतदातामेसँ १,८,९०३ महिला अपन मताधिकारक प्रयोग कयलनि, जखन कि शिवहरमे १०,५२,१७८ मतदातामे सँ ५,५०,७२७ महिलामतदाता अपन मताधिकारक प्रयोग कयलनि।