शिक्षा

सीएम साइंस कॉलेजमे ‘नैतिक विकासमे शिक्षक केर योगदान’ विषय पर संगोष्ठी आयोजित

उन्नत समाजक निर्माणमे अहम अछि शिक्षक-छात्र संबंध : प्रो दिलीप चौधरी
*
दरभंगा समदिया
*

डाॅ. चौरसिया कहलनि – छात्रक नैतिक विकासमे शिक्षक केर भूमिका अहम।

राष्ट्रीय सेवा योजनाक स्वयंसेवक अनुशासनक संगहि समाजक उन्नति केर प्रति अपन दायित्वक निर्वहन करबा लेल जानल जाइत छथि। शिक्षक आ छात्रमे अन्योन्याश्रय संबंध होइत अछि। छात्र शिक्षक केर समुचित दिशा-निर्देशनमे अपन जीवनकेँ सफल बनाबथि। ई बात सीएम साइंस कॉलेज, दरभंगा केर प्रधानाचार्य प्रो दिलीप कुमार चौधरी बृहस्पति दिन शिक्षक दिवस पर राष्ट्रीय सेवा योजनाक महाविद्यालय इकाई एवं भाषा प्रभागक संयुक्त तत्वावधानमे “छात्रक नैतिक विकासमे शिक्षक केर योगदान” विषय पर आयोजित संगोष्ठीक अध्यक्षता करैत कहलनि। ओ कहलनि जे डा राधाकृष्णन भले भारत केर राष्ट्रपति पदकेँ सुशोभित केलाह, मुदा ओ मूलतः एकटा कर्तव्यनिष्ठ आ अनुशासित शिक्षक छलाह। अजुका दिन हमरा लोकनिकें हुनक कृतित्व आ व्यक्तित्वसँ प्रेरणा लेबाक चाही। हुनका द्वारा बताओल बाट पर चलि एकटा उत्कृष्ट कोटि केर भारतीय नागरिक बनब, हुनका प्रति हमरा लोकनिक सुच्चा श्रद्धांजलि होयत। प्रो चौधरी अपन संबोधनमे छात्रकेँ गुरु-शिष्य संबंधक मर्यादामे रहैत नव युग केर तकनीकी सुविधाक लाभ लेबा लेल प्रेरित कयलनि।

मुख्य अतिथि केर रूपमे उपस्थित विश्वविद्यालयक एनएसएस कार्यक्रम समन्वयक डा. आर एन चौरसिया कहलनि जे छात्रक नैतिक विकास ओ राष्ट्र केर उत्तरोत्तर विकास संग सुख-शांतिमे शिक्षक लोकनिक अहम भूमिका होइत अछि। शिक्षकक चरित्र छात्र लेल मूल्यवान आदर्शक समान सदैव प्रशंसनीय आ अनुकरणीय होइत अछि।

विचारगोष्ठीमे हिन्दी विभागाध्यक्ष डा दिनेश प्रसाद साह, गणित विभागाध्यक्ष डा अजय सिंह, डा अवध बिहारी यादव, डा योगेश्वर साह, स्वयंसेवक प्रिया मिश्रा, केशव, आदित्य, मो आसू, अन्नू, सुनिधि गुप्ता आदि सेहो विचार रखलनि। कार्यक्रम पदाधिकारी डा सत्येन्द्र कुमार झा केर संचालनमे आयोजित कार्यक्रममे अंग्रेजी केर प्राध्यापिका डा आर्यिका पॉल धन्यवाद ज्ञापित कयलनि।

विचारगोष्ठीमे अंजलि, जैनव, राहुल, रमणीकांत, नीतीश, सुधांशु, अन्नू , केशव, राहुल, ज्योति, कृष्ण कुमार आदि केर उल्लेखनीय उपस्थिति रहल।
एहिसँ पहिले महाविद्यालयक विभिन्न विभागमे डा राधाकृष्णन केर जन्मदिन पर छात्र आ शिक्षक लोकनि द्वारा एक संग मिलि हुनका चित्र पर श्रद्धा सुमन अर्पित करबा उपरांत केक काटि कऽ शिक्षक दिवस मनाओल गेल।

प्रधानाचार्य प्रो दिलीप कुमार चौधरी केर अध्यक्षतामे आयोजित कार्यक्रममे महाविद्यालयक बर्सर डा उमेश कुमार दास, जंतु विज्ञान विभागाध्यक्ष डा आरती कुमारी, रसायन शास्त्रक व्याख्याता डा विश्व दीपक त्रिपाठी, डा सुजीत कुमार चौधरी, डा रश्मि रेखा, डा पूजा अग्रहरि, डा अजय कुमार ठाकुर, प्रशाखा पदाधिकारी कृष्ण कुमार चौधरी, आइक्यूएसी सहायक प्रवीण कुमार झा सहित सभ शिक्षक, शिक्षकेतर कर्मी आ छात्र-छात्रा लोकनिक उल्लेखनीय उपस्थिति रहल।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *