चुनाव कहलनि सीएम केजरीवाल – मोदीक सरकार बनिते हटाओल जयताह योगी May 17, 2024 Maithil Punarjagran Prakash लखनऊ * अरविन्द केजरीवाल लखनऊमे सपा कार्यालयमे सपा अध्यक्ष अखिलेश यादवक सङ्ग संयुक्त रूपसँ मीडियाकेँ सम्बोधित कयलनि। एहि अवसर पर ओ कहलनि जे प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी अपना लेल नहिं अपितु अमित शाहकेँ प्रधानमंत्री बनेबाक लेल वोट माँगि रहल छथि। जँ मोदी चुनाव जीतैत छथि तँ दू मासमे मुख्यमंत्री योगी आदित्यनाथकेँ हटा देताह। आरक्षणकेँ समाप्त कय देताह। ४ जूनकेँ इंडिया गठबंधनक सरकार बनय जा रहल अछि। ओ कहलनि जे जखन मोदी प्रधानमंत्री बनलाह तखन सेवानिवृत्तिक आयु ७५ वर्ष राखल गेल छल। एकर उदाहरण सुमित्रा महाजन, मुरली मनोहर जोशी, लाल कृष्ण आडवाणी छथि। मोदी अगिला साल १७ सितंबरकेँ ७५ सालक होएताह। मोदी धीरे-धीरे अमित शाहक मार्गमे लागल काँट हटा देलनि। वसुंधरा राजे, सुमित्रा महाजन, शिवराज सिंह चौहान, डॉ. रमन सिंहकेँ हटा देल गेल। आब केवल योगी बाधा छथि। ओकरा हटा देल जाएत। मोदी अपन द्वारा बनाओल गेल नियम नहिं तोड़ैत छथि। अन्यथा लोक हुनका पर सवाल करत। ई नियम ओ आडवाणी आ मुरली मनोहर जोशीकेँ हटयबाक लेल बनेने छलथि। ओ कहलनि जे भाजपा २२० सीटसँ बेसी नहिं बढ़त। राजस्थान, हरियाणा, झारखंड, दिल्ली, पंजाब आ बंगालमे भाजपाक सीट घटि रहल अछि। केजरीवाल कहलनि कि भाजपा हमेशा आरक्षणक खिलाफ रहल अछि। एहि अवसर पर अखिलेश यादव कहलनि जे एखन धरि भाजपा चारि चरणमे चित्त भऽ गेल अछि। जनतामे नोरक उफान अछि। ४०० केँ पार करय केर नारा देल गेल अछि किएक तऽ १४० सीटसँ बेसी नहिं जीत रहल छथि। एहि बेर जनता १४० सीटक लेल तरसा देत। उत्तर प्रदेश, दिल्ली आ पंजाबमे भाजपाकेँ करारी पराजयक सामना करय पड़त। रोटी, कपड़ा आ मकानक संग-संग आरक्षण बचाबय पड़त। हारलाक बाद ओ सभ झूठक विश्वविद्यालय खोलत। एहि अवसर पर आम आदमी पार्टीक राज्यसभा सांसद संजय सिंह कहलनि जे कारगिल योद्धाक पत्नीकेँ मणिपुरक भीतर नग्न घुमाओल गेल। प्रज्वल रमन्ना हजारो महिलाक शोषण कयलनि आ प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी हुनक समर्थन कऽ रहल छथि। महिला पहलवानसभकेँ घरसँ घसीटि कऽ मारि देल गेल। मोदी खामोश रहलाह। स्वाति मालीवाल जखनि पहलवान बेटी सभक संग छलीह तऽ पीटल गेलीह। हलाँकि ओ स्वयं मालीवाल प्रकरणमे गोल-मटोल जबाब देलनि। Spread the love