खेल

सौराठ उतरवारि टोलमे तासक स्व. बिमल चन्द्र मिश्र एवं स्व. निखिल चन्द्र मिश्र स्मृति ब्रिज टूर्नामेंट जारी

मधुबनी समदिया
*

खेलक क्षेत्रमे सेहो भारतक ग्राफ प्रगतिपथ पर अग्रसर अछि। पहिने मुख्य रूपसँ खेलमे फुटबॉल आ क्रिकेट चर्चित छल, मुदा आइ ओलंपिक, पैरालंपिक आदि सभठाम भारत अपन सम्मानजनक स्थान बना रहल अछि। तऽ ई सभ प्रगतिमे सरकारक सपोर्ट आ तखनि खेलाड़ीक उत्साह मुख्य कारणीभूत होइत अछि।

आ उच्च स्तरीय प्रदर्शन तक पहुँचय केर शुरुआत गामे-घरसँ मुख्य रुपसँ होइत अछि। जखनि गाम-घर-शहर आदिमे छोट-छोट स्तरक विभिन्न आउटडोर-इनडोर खेल सभ होइत अछि, तखनि क्रमशः ओहीमेसँ खिलाड़ी सभ आगू बढ़ैत, राज्य स्तरीय एवं अन्तर्राष्ट्रीय स्तर तकमे शीर्ष पर अपन प्रदर्शन द्वारा पहुंचैत छथि।

इनडोर खेलमे तासक ‘ब्रिज’ खेल केर अंतरराष्ट्रीय दर्जा भेटल अछि। एखनि एहि ब्रिज खेलक ग्रामीण स्तरक एकटा टुर्नामेंटक रिपोर्ट प्रस्तुत अछि।

मधुबनी जिलाक सौराठ गामक उतरवारि टोलमे दशहरासँ ब्रिज टुर्नामेंट शुरु भेल अछि, ई ब्रिज टुर्नामेंट स्व.बिमल चंद्र मिश्र एवं स्व. निखिल चंद्र स्मृतिमे भऽ रहल अछि। एखनि लीग मैच भऽ रहल अछि, मंगलकेँ सेमीफाइनल आ बुधकेँ कोजागरा दिन फाइनल मैच होयत।

एकर कवरेज मैथिल पुनर्जागरण प्रकाश कय रहल अछि। जानकारीक मोताबि ‘ए’ एवं ‘बी’ दूटा ग्रुपमे चारि-चारि टा टीम अछि।

ग्रुप ‘ए’ मे – ०१) भोगेन्द्र नाथ मिश्र एवं राकेश चन्द्र मिश्र
०२) शिव कान्त झा एवं सुमन झा
०३) राधा कान्त मिश्र एवं संजीव कुमार मिश्र
०४) रमन झा एवं राजू झा

ग्रुप ‘बी’ मे – ०१) प्रभास कुमार मिश्र एवं पप्पू झा
०२) प्रवीण कुमार मिश्र एवं रविन्द्र कुमार मिश्र
०३) नित्यानंद झा एवं अजय नाथ झा शास्त्री
०४) बिपिन मिश्र एवं रौशन झा

एखनि लीग मैच चलि रहल अछि, समाचार लिखय तक ग्रप ‘ए’ मे रमण झा विरूद्ध राधा कान्त झामे विजयी भेलथि रमन झा

ग्रुप ‘बी’ मे – प्रकाश मिश्र विरुद्ध विपीन मिश्रमे विजयी प्रकाश मिश्र।
प्रवीण मिश्र विरुद्ध प्रकाश मिश्रमे विजयी प्रवीण मिश्र
नित्यानंद झा विरूद्ध विपीन मिश्रमे विजयी विपीन मिश्र।

एहि संबंधमे मैथिल पुनर्जागरण प्रकाश समदियाकेँ वरिष्ठ अम्पायर प्रवीण कुमार मिश्र ब्रिज खेल पर महत्वपूर्ण जानकारी दैत कहलनि जे, तासक ब्रिज खेल अंतरराष्ट्रीय मान्यता प्राप्त कयने अछि। १८०९ इस्वीमे जर्मनीसँ एकर शुरुआत भेल जखनि एकटा डैमक निर्माणक साइट पर चारि टा इंजिनियर छलथि, एहि खेलमे एक गोटे केर कार्ड डम्मी भऽ जाइत छैक, अर्थात ताधरि हुनका साइट निरिक्षणक अवसर भेटि जाइत छनि, एहि प्रकारसँ खेल आ साइटक काज दुनू होइत रहल। ओ कहला जे मिडियामे सेहो चर्चित अछि ई खेल।”

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *