राजनीति

संजय झा भऽ सकैछ जदयू कार्यकारिणी राष्ट्रीय अध्यक्ष

पटना
*

राज्यसभा सांसद संजय झाकेँ जदयू पार्टीक कार्यकारी राष्ट्रीय अध्यक्षक जिम्मेदारी भेटि सकैत अछि। राष्ट्रीय कार्यकारिणीक बैसार शनिदिन दिल्लीमे होयत।
नीतीश कुमार दिल्लीमे शनि केर जेडीयूक राष्ट्रीय कार्यकारिणीक बैसारमे भाग लेबाक लेल दिल्ली रवाना भेलथि। ई बैसार शनिकेँ भोर ११ बजेसँ होबए वाला अछि। कार्यकारिणी बैसारसँ पहिने भोर १० बजेसँ राष्ट्रीय पदाधिकारी सभक बैसार सेहो होयत। एखन धरि नीतीश कुमार राष्ट्रीय कार्यकारिणीक बैसारमे किछु ने किछु नव निर्णय लैत रहल छथि। सूत्रक अनुसार एहि बेर मानल जा रहल अछि जे संजय झाकेँ पार्टीक कार्यवाहक राष्ट्रीय अध्यक्षक जिम्मेदारी देल जा सकैत अछि।

संजय झा सेहो केन्द्रमे मंत्री पदक दावेदार छलाह, मुदा उच्च जातिसँ आयल ललन सिंहक कारणे संजय झाक लेल जाति समीकरणक दृष्टिसँ मंत्री बनब सम्भव नहिं भऽ सकल। संजय झा नीतीश कुमारकेँ बिहारमे इंडिया गठबन्धनसँ अलग कऽ भाजपाक सहयोगसँ एनडीएमे आनय आ बिहारमे एनडीए सरकार बनेबामे सेहो पैघ भूमिका निभौने छथि।

संजय झा पहिने भाजपामे रहबाक आ भाजपा नेतासभक सङ्ग नीक सम्बन्ध रखबाक कारणेँ जेडीयू आ भाजपाक बीच कड़ीक रूपमे काज करैत रहल छथि। संजय झा नीतीश कुमारक खास जेडीयू नेतामे सँ एक छथि। हुनका राज्यसभामे जेडीयू संसदीय दलक नेता सेहो बनाओल गेल अछि।

बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार दिल्लीमे होबयवला जेडीयूक दू दिवसीय राष्ट्रीय कार्यकारिणीक बैसारमे भाग लेताह। ओ कतेको नेताक संग पटनासँ दिल्ली लेल रवाना भऽ चुकल छथि। राष्ट्रीय अध्यक्षक रूपमे ओ बैसारक अध्यक्षता करताह। कार्यकारिणीक बैसारक लेल पटनासँ पार्टीक कतेको नेता दिल्ली पहुंच रहल छथि। दू दिवसीय कार्यकारिणी बैसारमे देशक वर्तमान राजनीतिक परिदृश्यक समीक्षा कयल जायत आ अन्य राज्यमे पार्टीक विस्तारपर चर्चा होयत।

एकर अलावा सूत्रसँ भेटल जानकारीक अनुसार २०२५ केर विधानसभा चुनावक लेल रणनीति सेहो तैयार कयल जायत। बैसारमे केन्द्रीय मंत्री ललन सिंह, सांसद संजय झा आ दिलेश्वर कामतक अतिरिक्त सभ वरिष्ठ नेता उपस्थित रहताह, जतय कतेको महत्वपूर्ण निर्णय पर मुहर लागत।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *