खेल

संग्राम सिंह एमएमए मुकाबला जीतनिहार बनलाह पहिल भारतीय पुरुष पहलवान

नई दिल्ली
*

जाॅर्जियामे भारतीय पहलवान संग्राम सिंह गामा अंतर्राष्ट्रीय फाइटिंग चैम्पियनशिपमे अपन पहिल मैच जीति एमएमए (मिक्सड मार्शल आर्ट) दुनियामे अपन पहिचान बनौलनि।
राष्ट्रमण्डल खेलक हैवीवेट कुश्ती चैंपियन संग्राम हुनकासँ १७ साल छोट पाकिस्तानी पहलवान अली रजा नासिरकेँ मात्र एक मिनट ३० सेकेण्डमे पराजित कयलनि। एहि तरहेँ ओ मिक्सड मार्शल आर्ट प्रतियोगिता जीतयवला पहिल भारतीय पुरुष पहलवान बनि गेलाह।

११ प्रतिस्पर्धी राष्ट्रक बीच संग्रामक उपलब्धि ९३ किलोग्राम वर्गमे कोनो भारतीय द्वारा दर्ज कयल गेल सबसँ तेज जीत अछि। ओ अपन कुश्ती कौशल आ सामरिक समझक प्रदर्शन कऽ एकतरफा जीत हासिल कयलनि। ओ पारम्परिक कुश्तीसँ जुड़ल छथि आ प्रशिक्षणक प्रति तत्पर रहैत छथि।

मैच जीतलाक बाद संग्राम सिंह कहलनि, “देशक प्रतिनिधित्व करैत ई जीत हासिल करबा पर हमरा बहुत गर्व अछि। ई जीत भारतमे एमएमएक बेहतर भविष्यक दिशामे एकटा पैघ डेग अछि। ई एकटा व्यक्तिगत उपलब्धिसँ बेसी अछि। हमरा आशा अछि जे वैश्विक स्तर पर ई मान्यता भारत सरकारकेँ मिक्सड मार्शल आर्टक समर्थन करयवला कार्यक्रमकेँ लागू करबाक लेल प्रेरित करत, आ युवासभकेँ एहि खेलकेँ अपनाबय लेल प्रेरित करत।”

ओ आगू कहलनि, “हमरा कोनो सन्देह नहिं अछि जे ई युवा एथलीटसभकेँ अपन आन्तरिक शक्ति तकबाक लेल, महानताक लेल प्रयास करबाक, आ मिश्रित मार्शल आर्टक दुनियामे आबयवला बाधासभकेँ दूर करबाक लेल प्रोत्साहित करत।”

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *