दरभंगा जिलान्तर्गत बेनीपुर अनुमंडल स्थित सझुआर गाममे लोक आस्थाक पाबनि छठि सोल्लासपूर्वक सम्पन्न भेल। उदयकालीन भुवन भास्कर सूर्य देवताके अर्घ्य अर्पित करबाक शुभ अवसर पर ग्राम पंचायत राज सझुआरक युवा, मृदुभाषी, सरल, सौम्य तथा ऊर्जावान मुखिया चंदन कुमार झा ‘रोहित’केँ सझुआर ग्रामवासी साहित्यकार राज कुमार झा’क ज्येष्ठ भ्राता राजेश कुमार झा ‘रतन’ गामक प्रतिनिधित्वमे पाग, चद्दरि एवम् पुष्पमाला पहिराय सम्मानित कयलनि।
एहि अवसर पर विपुल संख्यामे ग्रामीण समाज उपस्थित भऽ मुखिया द्वारा कयल जा रहल पंचायतक अहर्निश सेवाक लेल मुक्तकंठसँ प्रशंसा करैत शुभकामना देलनि।
जनतब जे सझुआर गाम स्थित मिसर पोखरिक पश्चिमबाड़ी भीर पर मुखिया द्वारा भव्य, विशाल ओ विलक्षण घाटक निर्माण कराओल गेल अछि। छठि व्रती उत्साहपूर्वक नवनिर्मित भव्य घाट पर सूर्योपासना एवम् प्रकृति पुजाक भरपुर आनंद लेलनि।
सझुआर गामक ऐतिहासिक स्थल सभागाछी जाहिठाम पूर्व समय विवाहयोग्य कन्या एवम् विवाहयोग्य वरक विवाहक सभा लगैत छल ताहि स्थल पर विगत चालीस दशकसँ शास्त्रोक्त विधिनुसार भगवती कालीपुजा आयोजित होएत आबि रहल अछि। एहिबेर मुखिया जीक नेतृत्वमे भव्य पुजाक आयोजन भेल। हिनक विनम्र आह्वान पर ग्रामीण समाज काली पुजनोत्सवमे सभ प्रकारक सहयोग दैत बढ़ा-चढ़ि भाग लेलनि। फलत: भव्यतापूर्वक पुजन-महोत्सव सम्पन्न भेल। युवा वर्गक आशाक प्रतिमूर्ति बनि पंचायतक चतुर्दिक विकासक प्रति समर्पण हिनक संकल्प तथा चिंतनक परिचायक अछि।
सम्मान समारोहक अवसर पर लालटुन झा, अभय नाथ ठाकुर, बिनोद झा, पवन कुमार झा, प्रदीप कुमार झा, राघवेंद्र झा, ऋषि झा, ललन ठाकुर, सुमंत कुमार झा समेत अनेकोक उपस्थित छल।