धर्म-संस्कृति

रामनवमी पर सजल राम दरबार, पारंपरिक सोहर आ मंगल गीतक मचल धूम

दरभंगा समदिया
*

रामनवमीकक अवसर पर दरभंगा शहरक लक्ष्मीसागर मोहल्लामे रवि दिन भव्य पूजनोत्सव आ सांस्कृतिक संध्याक आयोजन कयल गेल। बीएसएनएल केर सेवानिवृत्त कार्यालय अधीक्षक अशोक कुमार झा केर आवासीय परिसरमे स्थापित राम दरबारमे प्रातः काल सभ मूर्ति केर पारंपरिक विधिसँ स्नान करौला उपरांत नव वस्त्रसँ सुसज्जित क’ हुनक पूजन आ स्तुति गान कयल गेल। संध्या बेलामे आयोजित सांस्कृतिक संध्यामे कलाकार लोकनि पारंपरिक सोहर आ मंगल गीतक दमगर प्रस्तुतिसँ भक्तिमय वातावरण केर निर्माण क’ सबहक मोन जीति लेलनि।

कलाकारमे अमता घराना केर साहित्य मल्लिक, कृष्ण कुमार कन्हैया आ अमन भारद्वाज आदि एकसँ बढि क’ एक भावपूर्ण प्रस्तुति देलनि। तबला पर सुधांशु आ कैसियो पर शिवकुमार अपन ओंगरीक जादू जमि क’ बिखेरलनि।

एहिसँ पहिने एहि आयोजनक विधिवत शुभारंभ अशोक कुमार झा दीप प्रज्ज्वलित क’ कयलनि। अपन भाव उद्गार प्रकट करैत ओ कहलनि जे मर्यादा पुरूषोत्तम राम हमरा समाजक लेल आइयो आदर्श छथि आ भविष्यक पीढी लेल सेहो एकटा मर्यादित आदर्शक रूपमे जीवंत रहताह। राम सन आदर्श एहि संसारमे कियो नहि छथि। उत्तम चरित्र केर माध्यमसँ ओ सिद्ध कयने छथि जे ओ मर्यादा पुरूषोत्तम छथि।

मनीष झा रघु केर संचालनमे देर राति धरि चलल कार्यक्रममे विद्यापति सेवा संस्थानक भहासचिव डा बैद्यनाथ चौधरी, मैथिली अकादमीक पूर्व अध्यक्ष पं कमलाकांत झा, वरिष्ठ साहित्यकार मणिकांत झा, प्रो जीवकांत मिश्र, प्रवीण कुमार झा, कुमार अनुराग, मानव झा, ऋषि कुमार झा, दीपक कुमार झा, अशोक चौधरी, सुशील झा, अरुण कुमार झा, शंभु झा आदि केर उल्लेखनीय उपस्थिति रहनि।

Spread the love