देवहार पंचायतक श्री श्री १०८ ब्रह्म स्थान सहुरिया गाममे ग्रामीण संग प्रवासीक सहयोगसँ दिनांक १८.११.२०२४ सँ २७.११.२०२४ तक अखंड नवाह संकीर्तनक आयोजन कयल गेल अछी। बहुत भक्तिमय वातावरणमे आस-पड़ोसक ग्रामीण संकीर्तन मंडलीक सहयोगसँ निरंतरतासँ आगू बढ़ी रहल अछी। खास कऽ सांझुक आरतीमे आर विशेष आकर्षण एवं भक्तिपूर्ण रहैत अछि।
मैपुप्र समदिया केर जानकारी भेटल जे ई हरेक वर्ष हर्ष उल्लाससँ मनायल जाइत अछि। इ श्री श्री १०८ नवाह संकीर्तन मंडली सहुरियाक सौजन्यसँ हरेक साल मनाओल जाइत अछी। अहि केर इतिहास बहुत सुन्नर अछी जे साल १९७७ मे अष्टयाम संकीर्तनक रूपमे शुरुआत भेल आ त्रिरात्रिमे संकल्पित भेल मुदा किछु ग्रामीण महानुभाव सभ नवाहक प्रस्ताव देल जे नवाह होबाक चाही। बाबा महिठाकुर केर महिमा भेल जे हमर सभक डीहवार छैथ ओ अष्टयाम नवाहमे संकल्पित भऽ गेल।
एहि नवाह संकीर्तनमे गामक हरेक वर्णक लोक बहुत उत्साहित भऽ भाग लैत छथि। मुख्य रूपसँ छठिक बाद होइत अछि।
सभ ग्रामीणक सहयोगसँ ई आयोजन होइत अछि। मुख्य पुजारी छथि पंडित बिलट मिश्र। अहर्निश मन्त्रोचारणक लेल पंडितगणमे अर्जुन मिश्र, शिला मिश्र, फ़ुदन मिश्र, छोटा बाबू छथि। आयोजनक मुख्य जिम्मेदारी प्रवीण झा सम्हारने छथि। ग्रामीण मंडलीमे दयानंद चौधरी, दिलीप चौधरी, शंकर चौधरी, प्रेम चौधरी, शिवकांत मिश्र, पवन मिश्र, पवन चौधरी, प्रदीप चौधरी आ समस्त ग्रामीणक सहभागिता अछि।
मैपुप्र समदिया द्वारा समाद देल गेल जे, ‘सभसँ आग्रह जे एहि स्थानक यात्रा एक बेर जरूर करी। बहुत रमणीय स्थान अछि। अहि ठाम डीहवार संग झोंटी बाबू, बजरंग बली, माँ दुर्गा, माँ काली संग राधा कृष्ण के मन्दिर अछि, संगहि राम जानकी संग बाबा भोले नाथक मन्दिर सेहो अछि।”