विदेश मंत्री एस जयशंकर सोमदिन रोममे ब्रिटिश विदेश सचिव डेविड लैमीक सङ्ग वार्ता कयलनि। ई बैसार इटली द्वारा आयोजित जी-७ विदेश मन्त्रीसभक बैसारक आउटरीच सत्रसँ पहिने भेल छल। भारत केर अतिथि देशक रूपमे आमंत्रित कएल गेल अछि।
बैसारक बाद विदेश मंत्री एक्स पर लिखलनि, “भारत-ब्रिटेन व्यापक रणनीतिक साझेदारीमे निरंतर गतिक सराहना करैत छी। प्रौद्योगिकी, हरित ऊर्जा, व्यापारक सङ्ग-सङ्ग हिन्द-प्रशांत आ पश्चिम एशियामे सहयोगकेँ गहन करबाक चर्चा कयलहुँ।”
ई बैसार प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी आ हुनकर ब्रिटिश समकक्ष कीर स्टारमरक पछिला सप्ताह रियो डी जेनेरियोमे जी-२० शिखर सम्मेलनक भेँटक किछु दिन बाद भेल अछि। एहि बैसारमे दुनू नेता भारत-ब्रिटेन व्यापक रणनीतिक साझेदारीकेँ मजबूत करबाक प्रतिबद्धता व्यक्त कयलनि।
विदेश मंत्री एस जयशंकर रविदिन रोममे भारतीय दूतावासक नव कार्यालयक उद्घाटन कयलनि। ओ जी७ विदेश मन्त्रीसभक बैसारक आउटरीच सत्रमे भाग लेबाक लेल तीन दिवसीय यात्रापर छथि।
विदेश मंत्री रोममे एम.ई.डी. मेडिटेरेनियन डायलॉगक १०म संस्करणमे सेहो भाग लेबाक कार्यक्रम अछि। एकर आयोजन इटलीक विदेश मामिला आ अंतर्राष्ट्रीय सहयोग मंत्रालयक सहयोगसँ अंतर्राष्ट्रीय राजनीतिक अध्ययन संस्थान (आईएसपीआई) द्वारा कयल जा रहल अछि।
फिउग्गीमे जी-७ विदेश मन्त्रीसभक बैसार २०२४ मे इटलीमे होबयवला दोसर बैठक होयत, जे १७ सँ १९ अप्रैल धरि कैपरीमे भेल पछिला बैसारक बाद होयत।
इतालवी अध्यक्षताक तहत, जी-७ केर विदेश मंत्री लोकनि हालक मासमे म्यूनिख, वाशिंगटन आ न्यूयॉर्कमे प्रमुख अंतर्राष्ट्रीय आयोजनक क्रममे सेहो भेंट कयलनि अछि।