रूसक विदेश मंत्री सर्गेई लावरोव यूक्रेन-रूस युद्धक बीच बढ़ैत तनावक परिप्रेक्ष्यमे अमेरिका आ ओकर पश्चिमी सहयोगीसभकेँ स्पष्ट आ गम्भीर चेतावनी जारी कयलनि अछि। मास्कोमे संवाददाता सभसँ बातचीत करैत लावरोव कहलनि जे जँ पश्चिमी देश यूक्रेनकेँ रूसक भीतर हमला करबाक लेल दीर्घ दूरीक मिसाइलक उपयोग करबाक अनुमति दैत अछि तँ एकर गम्भीर परिणाम भऽ सकैत अछि। ओ एकरा “आगिसँ खेलब” बतौलनि आ चेतौनी देलनि जे ई दुनियाकेँ तृतीय विश्वयुद्ध दिसि लऽ जा सकैत अछि।
रूसी विदेश मंत्रीक ई चेतावनी यूक्रेनक राष्ट्रपति वोलोदिमिर ज़ेलेंस्की द्वारा अमेरिका आ ब्रिटेनसँ रूसक सीमाक भीतर दीर्घ दूरीक मिसाइलक उपयोगक अनुमति मांगलाक बाद आयल अछि। ज़ेलेंस्कीक आग्रह पश्चिमक भीतर बहस शुरू कऽ देलक अछि। यद्यपि, अमेरिका एखन धरि अपन रुख नहिं बदललक अछि आ स्पष्ट कयलक अछि जे यूक्रेनकेँ देल गेल दीर्घ दूरीक मिसाइलक उपयोग मात्र यूक्रेनक धरती पर कयल जा सकैत अछि, नहिं कि रुसक भौगोलिक सीमामे।
लावरोव पश्चिमकेँ चेतौनी देलनि जे जँ यूक्रेनक अनुरोध स्वीकार कऽ लेल गेल तँ ई यूक्रेन-रूस युद्धक दिशा बदलि सकैत अछि। ओ एहि बातपर जोर देलनि जे एहि तरहक डेग वैश्विक स्थिरताक लेल खतरा उत्पन्न करत, आ पूरा दुनियाकेँ एकर कष्ट सहन करय पड़ि सकैत अछि। लावरोव कहलनि, “ई अमेरिका द्वारा ब्लैकमेलिंग अछि आ पूरा दुनियाक समक्ष ई नाटक करबाक प्रयास छैक जे पश्चिमी देश स्थितिकेँ आओर बढ़बासँ रोकय चाहैत अछि, जखनि कि वास्तवमे ई एकटा धोखा छैक।” ओ पश्चिम पर आरोप लगओलनि जे ओ यूक्रेनकेँ उकसाकऽ स्थितिकेँ बिगाड़बाक प्रयास कऽ रहल अछि।
सर्गेई लावरोव यूक्रेनकेँ परमाणु हथियारक आपूर्तिक सम्भावनापर सेहो गहींर चिन्ता व्यक्त कयलनि। ओ कहलनि, “हम पुनः पुष्टि कऽ रहल छी जे ओ सभ आगिसँ खेल रहल छथि किएक तँ पश्चिमी देश यूक्रेनकेँ छोट बच्चाक जकाँ माचिस (परमाणु हथियार) सौंपि देलक अछि, जाहिसँ आगि लागि सकैत अछि।” लावरोव चेतौनी देलनि जे जँ तेसर विश्वयुद्ध शुरू भऽ गेल तँ यूरोप सबसँ बेसी प्रभावित होयत।
ओतहि पेंटागनक प्रेस सचिव मेजर जनरल पैट्रिक राइडर एकटा संवाददाता सम्मेलनक दौरान स्पष्ट कयलनि जे यूक्रेन द्वारा अमेरिकी आपूर्ति कयल गेल मिसाइलक उपयोगपर वाशिंगटनक नीतिमे कोनो परिवर्तन नहिं भेल अछि। ओ कहलनि जे अमेरिका एहि बातपर अडिग अछि जे यूक्रेनकेँ देल गेल हथियारक उपयोग मात्र यूक्रेनक धरती पर कयल जेबाक चाही, आ ई नीति जारी रहत।
रूसक एहि कठोर चेतावनीसँ ई स्पष्ट भऽ गेल अछि जे यूक्रेन-रूस युद्ध आब एकटा पैघ अन्तर्राष्ट्रीय सङ्कटक दिसि बढ़ि रहल अछि। पश्चिमी देशसभ द्वारा यूक्रेनकेँ देल गेल सैन्य सहायता आ रूसक प्रति आक्रामक प्रतिक्रिया एहि संघर्षकेँ आओर जटिल बना रहल अछि। तेसर विश्वयुद्धक आशंकाक बीच सभ पक्षकेँ संयम आ कूटनीतिक माध्यमसँ एहि स्थितिक समाधान तकबाक आवश्यकता अछि, जाहिसँ दुनियाकेँ एकटा आओर विनाशकारी युद्धसँ बचायल जा सकय।