राजद विधायक फतेह बहादुर सिंह एक बेर फेर बिहारक पटनामे विवादमे फँसि गेल छथि। स्थिति एहन अछि जे मंदिर गुलामीक मार्ग अछि एहि बयान पर धरायल विधायक फतेह बहादुर सिंह पत्रकारे सभ पर क्रोधित भऽ गेलाह आ प्रश्न पूछला पर हुनका भाजपाक एजेंट कहय लगलाह।
दरअसल, विधायकसँ पूछल गेल छल जे अहाँ स्वयं मन्दिर जाइ छी आ दोसरकेँ मना करैत छी ? एहि पर विधायक कहलखिन जे हम मंदिर जाइत छी। हम पूजा करैत छी। मुदा हम शिक्षाक मन्दिर जाइत छी। हम साक्षात देवीक मन्दिर जाइत छी। हम पूजा करैत छी।
विधायक प्रश्न कयला पर पत्रकारसँ कहलखिन जे अहाँ अज्ञानी छी, पूजाक मतलब अछि – पूरा जानी तखनि मानी। शंकराचार्यकेँ बजाउ, हम हुनकासँ सेहो चर्चा करब। एहन लोक छथि जे अंधविश्वास पसारैत छथि। की अहां कहियो मोदीसँ पुछलहुं जे 2 करोड़ नौकरीक वादा कएल गेल छल ?