राजनीति

राजदक अपन ‘दबंगई कल्चर’क छविमे सुधारक प्रयास, हरियर गमछाक बदला हरियर टोपी आ बैच ‘आभार यात्रा’मे

पटना
*

राष्ट्रीय जनता दलक नेता तेजस्वी यादव १० सितंबरसँ ‘आभार यात्रा’ शुरू कऽ रहल छथि। एहि यात्राक दौरान पार्टी कार्यकर्ता सभक लेल निर्देश जारी कयल गेल अछि। एहि निर्देशसँ स्पष्ट अछि जे पार्टी अपन छवि बदलबाक प्रयास कऽ रहल अछि।

राष्ट्रीय जनता दल (राजद) केर नेता आ कार्यकर्ताक लेल एकटा नव दिशानिर्देश जारी कयल गेल अछि। हरियर गमछा आ मुरेठाक स्थान पर टोपी आ बैच लगेबाक निर्देश देल गेल अछि। एहि निर्देशसँ स्पष्ट अछि जे तेजस्वी यादवक राजद अपन छवि सुधारबाक प्रयासमे लागल अछि।

तेजस्वी यादवक ‘आभार यात्रा’सँ पहिने दिशा-निर्देशमे राजद कार्यकर्ता सभसँ हरियर गमछाक बदला हरियर टोपी आ बैच लगाबय लेल कहल गेल अछि।
बिहार राष्ट्रीय जनता दलक अध्यक्ष जगदानन्द सिंह पार्टीक ९ सूत्रीय निर्देश जारी कयलनि अछि। ई निर्देश राजदक आभर यात्राक दौरान लागू कयल जायत।

तेजस्वी यादव आभार यात्रा शुरू करबाक घोषणा कयने छथि। यात्राक पहिल चरण १० सितम्बरसँ शुरू होयत। आठ दिवसीय ई यात्रा १७ सितम्बर धरि चलत। यात्राक दौरान तेजस्वी यादव दरभंगा, समस्तीपुर, मुजफ्फरपुर आ मधुबनी जिला मुख्यालयमे रहताह।

एहि ‘आभार यात्रा’क खास बात ई अछि जे एहि यात्राक दौरान लोकक भीड़ नहिं जुटाबय केर अछि। आ ने कोनो तरहक रोड शो कएल जाएत। अन्य यात्राक विपरीत एहि यात्रामे कोनो बैसार वा आम सभा नहिं होयत। मुदा, ई राजदक ई रणनीति अछि वा ओकर मजबूरी ? एहि पर सवाल उठाओल जा रहल अछि, मुदा ई निश्चित अछि जे राजद अपना के बदलबाक कोशिश कए रहल अछि।

राजद आधिकारिक तौर पर हरियर गमछा नहिं पहिरबाक कोनो कारण नहिं देलक अछि, मुदा एहि निर्णयक राजदक छवि बदलबाक प्रयाससँ जोड़ल जा रहल अछि। पछिला किछु दिनसँ पार्टीसँ संकेत भेटि रहल अछि जे ओ अपन छवि बदलबाक प्रयास कऽ रहल अछि।

भाजपाक अनुसार तेजस्वी यादव स्वयं एहि परम्पराक आरम्भ करैत छथि आ आब ओ स्वयं माथ पर गमछा आ मुरैठा नहि बान्हबाक सलाह दऽ रहल छथि। लोकसभा चुनावक दौरान तेजस्वी यादव स्वयं अपन माथ पर मुरैठा बान्हैत छलाह आ कार्यकर्ताक सामने हवामे गमछा लहराबैत सेहो देखल जाइत छलाह, मुदा पार्टी मात्र ४ सीट पर सिमटि गेल। आब तेजस्वी यादव अपना आ अपन कार्यकर्ता सभकेँ संयमित रहबाक सलाह दऽ रहल छथि।

राजद बहुत दिनसँ बिहारक राजनीतिमे राजनीति कऽ रहल अछि। लालू यादव राजद पार्टीक नींव रखलनि। आरम्भमे एहि पार्टीकेँ तेल पिलावन आ लाठी घुमावन दलक नामसँ जानल जाइत छल, मुदा समयक सङ्ग पार्टीक चरित्र सेहो बदलि रहल अछि।

कहियो आरजेडी नेता लोकनि बैसारक दौरान पटनाक सड़क पर बाइ केर नाच सेहो करवा चुकल छथि, मुदा आब समय आ जमाना दुनू बदलि रहल अछि। तेजस्वी यादव पार्टीक छवि सुधारबामे व्यस्त छथि। आ मानल जाइत अछि जे ई परिवर्तन एकर कड़ी अछि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *