सोनिया गाँधी, राहुल गाँधी, खड़गे आ अन्य नेता १८म लोकसभा चुनावक बाद कांग्रेस कार्य समिति (सीडब्ल्यूसी)क पहिल बैसारमे भाग लेलनि। एहि बैसारमे उपस्थित नेता लोकनि राहुल गाँधीकेँ प्रतिपक्षक नेता बनयबाक माँग कयलनि।
पार्टीक सीडब्ल्यूसीक बैसारक बाद कांग्रेस नेता केसी वेणुगोपाल कहलनि, “सीडब्ल्यूसी (कांग्रेस कार्य समिति) सर्वसम्मतिसँ राहुल गाँधीसँ लोकसभामे प्रतिपक्षक नेताक पदभार सम्हारबाक अनुरोध कयलक अछि। राहुल गाँधी संसदक भीतर एहि अभियानक नेतृत्व करबाक लेल सबसँ उपयुक्त व्यक्ति छथि।
कांग्रेस नेता अधीर रंजन चौधरी कहलनि, “सब कियो कहलक अछि जे राहुल गांधीकेँ विपक्षक नेता बनबाक चाही। इएह हेबाक चाही।
नवनिर्वाचित कांग्रेस सांसद दीपेन्द्र हुड्डा कहलनि, “भाजपाकेँ भले देशक जनादेशमे संख्या भेटल होय, मुदा देशवासी विपक्षकेँ नैतिक शक्ति देलनि अछि।” देशक भावना आइ विपक्षक संग अछि। एहि लेल कांग्रेसक नेतृत्व विशेष रूपसँ अभिनन्दनक पात्र अछि। हमरा लगैत अछि जे राहुल गाँधी निडरतापूर्वक समाजक प्रत्येक वर्गक लेल लड़लनि, ओ अभिनन्दनक पात्र छथि। हम सब अनुरोध कयलहुँ अछि जे राहुल गांधी विपक्षक नेताक जिम्मेदारी लेथि।
सीडब्ल्यूसीक बैसारक बाद सिरसा लोकसभा सीटसँ कांग्रेसक विजयी उम्मीदवार कुमारी शैलजा कहलनि, “सभगोटे चाहैत छलाह जे राहुल गाँधी प्रतिपक्षक नेता बनथि। ई सबके सहमति छल।
कांग्रेस सीडब्ल्यूसीक बैसारक बाद कांग्रेस नेता गौरव गोगोई कहलनि, “कांग्रेस पार्टी जखन जखन राहुल गाँधीसँ किछु अपेक्षा कयलक अछि तखन ओ पार्टीक इच्छा पूरा कयलनि अछि, आइ कांग्रेस पार्टी हुनकासँ सदनमे देशक आवाज उठयबाक अनुरोध करैत अछि।