लोकसभा चुनावक परिणामसँ पहिने सभ एजेंसीक एक्जिट पोल सामने आबि गेल अछि। एक्जिट पोलमे एक बेर फेर एनडीए सरकार बनैत देखल जा रहल अछि।
अधिकांश एक्जिट पोलमे दावा कयल गेल अछि जे भारतीय जनता पार्टी अपन दम पर सरकार बना सकैत अछि। ओना, विपक्षी दल एक्जिट पोलकेँ खारिज कऽ रहल अछि आ इंडिया गठबन्धन सरकार बनेबाक दावा कऽ रहल अछि।
एम्हर कांग्रेस सांसद राहुल गांधी एक्जिट पोल पर अपन प्रतिक्रिया देलनि। राहुल गाँधी एकरा प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदीक ‘काल्पनिक चुनाव’ बतौलनि अछि। गायक सिद्धू मूसेवालाक गीतक उल्लेख करैत ओ कहलनि जे इंडी गठबन्धनकेँ २९५ सीट भेटय जा रहल अछि।
मीडियासँ बातचीत करैत कांग्रेस सांसद राहुल गांधी कहलनि, “ई एक्जिट पोल नहिं अछि। एकर नाम अछि ‘मोदी मीडिया पोल’, मोदी जीक पोल, हुनकर फैंटेसी पोल।”
लोकसभा चुनावमे इंडिया गठबंधनकेँ कतेक सीट भेटत, एहि प्रश्नपर ओ कहलनि, “अहाँ सिद्धू मूसेवालाक गीत सुनने छी, हम २९५ सीट जीतब।”
देश भरिक ५४३ लोकसभा सीटक लेल मतदान प्रक्रिया शनिदिन साँझ सातम आ अंतिम चरणक सङ्ग समाप्त भऽ गेल। एहि बेर लोकसभा चुनाव सात चरणमे भेल अछि। पहिल चरण १९ अप्रैलकेँ भेल आ अन्तिम चरण १ जूनकेँ भेल अछि।
एहिसँ पहिने कांग्रेस अध्यक्ष मल्लिकार्जुन खड़गे इंडिया गठबन्धनक सहयोगीक उपस्थितिमे दावा कयलनि जे लोकसभा चुनावमे हुनक गठबन्धनकेँ २९५सँ बेसी सीट भेटय जा रहल अछि। शनिदिन कांग्रेस अध्यक्ष खड़गेक घर पर लगभग अढ़ाई घंटा धरि इंडिया गठबंधनक बैसार भेल।
खड़गे कहलखिन कि भाजपा एक्जिट पोल पर चर्चा करत। हम ओहि कथा केर बारेमे सच्चाई बताबय चाहैत छी जे ओ देबय केर कोशिश कऽ रहल छथि। एकर संगहि गठबंधन कार्यकर्ता सभकेँ चुनाव आ मतदानसँ जुड़ल मुद्दा पर निगरानी रखबाक निर्देश देल गेल अछि।
एहि बैसारमे कांग्रेस संसदीय दलक अध्यक्ष सोनिया गाँधी, कांग्रेस सांसद राहुल गाँधी, शरद पवार, रामगोपाल यादव, अखिलेश यादव, तेजस्वी यादव, चम्पई सोरेन, अरविंद केजरीवाल, भगवंत मान, डी राजा, सीताराम येचुरी, कल्पना सोरेन संग गठबन्धनक कतेको सहयोगी उपस्थित छलाह।