देश-दुनिया

राहुल गाँधी विदेश मंत्रीकेँ चिट्ठी लिखि, श्रीलंकाक जेलमे बंद भारतीय मछुआरासभक उठौलनि रिहाईक मुद्दा

नई दिल्ली
*

लोकसभामे प्रतिपक्षक नेता राहुल गाँधी विदेश मंत्री एस जयशंकरकेँ पत्र लिखि श्रीलंकामे जेलमे बंद भारतीय मछुआरासभक रिहाईक मुद्दा उठौलनि अछि।
कांग्रेस सांसद अपन पत्रमे लिखलनि, “जखनि हम श्रीलंकाक राष्ट्रपतिक भारतक पहिल आधिकारिक यात्राक मेजबानी करबाक तैयारी कऽ रहल छी, हम भारत सरकारसँ अनुरोध करैत छी जे अनजानमे अंतर्राष्ट्रीय समुद्री सीमा रेखा (आईएमबीएल) पार कयनिहार भारतीय मछुआरासभक मुद्दा उठाउ आ हुनकर शीघ्र रिहाई सुनिश्चित करू।”

राहुल गाँधी केन्द्रसँ मछुआरा पर लगाओल गेल जुर्मानाकेँ माफ करबाक आ जब्त माछ मारय बला नावक रिहाई सुनिश्चित करबाक आग्रह सेहो कयलनि, ताकि भारत सरकार कोलम्बोक सङ्ग लम्बित मुद्दासभक समाधानक लेल संयुक्त कार्य समूह जेहन अन्तर-सरकारी तंत्रक नियमित बैठक सुनिश्चित करबाक निर्णय भऽ सकय।

श्रीलंकाक राष्ट्रपति अनुरा कुमार दिसानायके १५ सँ १७ दिसम्बर धरि तीन दिवसीय भारत यात्रापर छथि। सितम्बरमे पदभार सम्हारलाक बाद दिसानायकेक ई पहिल द्विपक्षीय भारत यात्रा अछि।रविकेँ नई दिल्ली पहुँचला पर सूचना आ प्रसारण राज्य मंत्री डॉ. एल. मुरुगन श्रीलंकाक राष्ट्रपतिक गर्मजोशीसँ स्वागत कयलनि।

एम्हर राष्ट्रपति अनुरा कुमार दिसानायकेक भारत राजकीय यात्राक दोसर दिन सोमदिन नई दिल्लीमे राष्ट्रपति भवनक प्राङ्गणमे औपचारिक स्वागत कयल गेल। राष्ट्रपति द्रौपदी मुर्मू आ प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी राष्ट्रपति भवनमे श्रीलंकाक राष्ट्रपति अनुरा कुमार दिसानायकेक स्वागत कयलनि।

राष्ट्रपति दिसानायके संयुक्त रक्षा सेवा द्वारा देल गेल गार्ड ऑफ ऑनरक निरीक्षण कयलनि। एहि अवसर पर राष्ट्रपति द्रौपदी मुर्मू आ श्रीलंकाक राष्ट्रपति अनुरा कुमार दिसानायके अपन मंत्री, राजनयिक आ अधिकारीसभसँ एक दोसराक परिचय करवौलनि। रविदिन भारत पहुँचलाक बाद राष्ट्रपति दिसानायके वित्त मंत्री निर्मला सीतारमण आ विदेश मंत्री एस जयशंकरसँ सेहो भेंट कयलनि।४ अक्टूबरकेँ कोलम्बोक अपन एक दिवसीय यात्राक क्रममे जयशंकर राष्ट्रपति अनुरा कुमार दिसानायकेसँ भेंट कयलनि आ अपन ‘पड़ोस प्रथम’ नीति आ ‘सागर’ दृष्टिकोणक आधार पर द्विपक्षीय सहयोगकेँ आगू बढ़यबाक लेल भारतक दृढ़ प्रतिबद्धता व्यक्त कयलनि।

राष्ट्रपति दिसानायकेक सङ्ग अपन बैसारमे विदेश मंत्री ऊर्जा उत्पादन आ पारेषण, ईंधन आ एलएनजी आपूर्ति, धार्मिक स्थलसभक सौर विद्युतीकरण, कनेक्टिविटी, डिजिटल सार्वजनिक बुनियादी ढाँचा, स्वास्थ्य आ डेयरी विकासक क्षेत्रमे चलि रहल पहलक चर्चा कयलनि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *