राजनीति

राहुल गाँधी लोकसभाक अध्यक्ष ओम बिड़लाकेँ पत्र लिखि संविधानक ७५म वर्षगाँठ पर चर्चाक कयलनि अनुरोध

नई दिल्ली
*

लोकसभामे प्रतिपक्षक नेता राहुल गाँधी बृहस्पतिकेँ लोकसभा अध्यक्ष ओम बिड़लाकेँ पत्र लिखि भारतक संविधानकेँ अपनयबाक ७५म वर्षगाँठक ऐतिहासिक अवसर पर संसदक दुनू सदनमे दू दिवसीय बहस करबाक अनुरोध कयलनि। गाँधी पत्रमे कहलनि, “हम सभ विपक्षी दलक तरफसँ अहाँसँ अनुरोध करैत छी जे संविधान सभा द्वारा भारतक संविधान अपनयबाक ७५म वर्षगाँठक ऐतिहासिक अवसर पर संसदक दुनू सदनमे दू दिवसीय बहस कराउ। एहिसँ सेन्ट्रल हॉलमे आयोजित समारोह केर आगू बढ़ाओल जा सकत। ई ऐतिहासिक अवसर सभ सांसदकेँ संविधानक निर्माता डॉ. बी.आर. अम्बेडकरक विरासत पर सामूहिक रूपसँ चिंतन करबाक अमूल्य अवसर प्रदान करैत अछि।”

राहुल गांधी पत्रमे कहलनि जे पूर्वमे एहेन विशेष चर्चाक कतेको उदाहरण भेटल अछि। २०१५ मे दुनू सदनमे २६ नवम्बरकेँ डॉ. अम्बेडकरक १२५म जयन्तीक उपलक्ष्यमे दू दिन, १३ घंटाक चर्चा भेल छल। ९ अगस्त २०१७ केँ भारत छोड़ो आन्दोलनक ७५म वर्षगाँठ आ २०२२ मे देशक स्वतंत्रताक ७५म वर्षगाँठक उपलक्ष्यमे दुनू सदनमे सेहो चर्चा भेल छल।

कांग्रेस पत्रमे कहलक, “हमरा विश्वास अछि जे अहाँ (लोकसभा अध्यक्ष ओम बिड़ला) हमर आग्रह पर सहमत होयब। हमरा विश्वास अछि जे एहि तरहक संवाद लोकतंत्रक भावनाकेँ मजबूत करत, आ हमर संविधानमे निहित न्याय, स्वतंत्रता, समानता आ बंधुत्वक आदर्शक प्रति संसदक प्रतिबद्धताक प्रदर्शन करत। दू दिनक चर्चाक बाद सरकारक विधायी एजेंडा पर विचार कयल जा सकैत अछि।

संसदक शीतकालीन सत्रक दौरान १३ आ १४ दिसम्बरकेँ लोकसभामे संविधानक ७५म वर्षगाँठपर बहस होयत। एकर बाद प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी १४ दिसंबरकेँ जवाब देताह। एहि मुद्दा पर १६ आ १७ दिसम्बरकेँ राज्यसभामे चर्चा होयत। राज्यसभामे चर्चाक शुरुआत केन्द्रीय गृह मंत्री अमित शाह करताह।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *