राजनीति

अडाणी मामिलामे जोड़ैत राहुल गांधीक पीएम पर भ्रष्टाचारक आरोप, लगौलनि अडाणीकेँ बचाबय केर आरोप

नई दिल्ली
*

राहुल गांधी पीएम मोदी पर भ्रष्टाचारक आरोप लगौलनि अछि। यद्यपि एकर कोनो सही आधार वा साक्ष्य नहिं अछि। मामिलामे अडाणी पर आवाज उठाओल गेल अछि, तकरा पीएम मोदीसँ जोड़ि आरोपित कऽ रहल छथि।

मामिला ई अछि जे अमेरिकी प्राॅसिक्यूटर द्वारा न्यूयॉर्कमे दायर एकटा मामिलामे कहल गेल अछि जे अडानी समूह भारतमे सौर ऊर्जा काॅन्ट्रैक्ट हासिल करय लेल २११० करोड़ टाकाक रिश्वत देलक। आब ई मामिला गौतम अडाणीक अछि जाहि पर गौतम अडाणीकेँ जबाब देबय केर अछि, मुदा अपन धुनमे एकरा पीएमसँ जोड़ि पीएम मोदी पर सीधे भ्रष्टाचारक आरोप राहुल गांधी लगौलनि अछि।

कांग्रेस नेता राहुल गांधी एकटा प्रेस कॉन्फ्रेंसमे कहलनि कि गौतम अडाणीकेँ गिरफ्तार कयल जयबाक चाही।
सौर ऊर्जा अनुबंध घूसखोरी मामिलामे गौतम अदानी आ अन्य पर अमेरिकी अभियोजकसभक आरोप लगयबापर लोकसभामे विपक्षक नेता आ कांग्रेस नेता राहुल गांधी कहलनि, “आब अमेरिकामे ई बहुत स्पष्ट आ स्थापित भऽ गेल अछि जे अदानी भारतीय कानून आ अमेरिकी कानून दुनूकेँ तोड़ि देलक अछि।” हुनका पर अमेरिकामे अभियोग लगाओल गेल अछि। हमरा आश्चर्य अछि जे अडाणी एहि देशमे स्वतंत्र रूपसँ किएक घूमैत रहल छथि। मुख्यमंत्रीकेँ गिरफ्तार कएल गेल अछि, मुदा अडाणी स्पष्ट रूपसँ २००० करोड़ टाकाक घोटाला आ संभवतः कतेको आन घोटाला कयने छथि, मुदा ओ बेखौफ घूमि रहल छथि। हम एहि मुद्दाकेँ बेर-बेरर उठा रहल छी। ई हमर बातकेँ पुष्टि करैत अछि, प्रधानमंत्री अडाणीकेँ बचा रहल छथि आ प्रधानमंत्री अडाणीक संग भ्रष्टाचारमे शामिल छथि।

राहुल गाँधी कहलनि जे हम सौर ऊर्जा अनुबंध घूसखोरीक मामिला अमेरिकी अभियोजक द्वारा गौतम अडाणी आ अन्य पर आरोप लगयबाक मुद्दा संसदमे उठायब। विपक्षक नेताक रूपमे ई मुद्दा उठाबय केर जिम्मेदारी हमर अछि। पीएम मोदी एहि आदमीकेँ शत-प्रतिशत बचा रहल छथि। ई व्यक्ति भ्रष्टाचारक माध्यमसँ भारतक धन अर्जित कयने अछि। ओ भाजपाक समर्थन करैत छथि, ई स्थापित अछि। हम एकरा दोहरायब। जेपीसी हमर मांग अछि मुदा हम चाहैत छी जे अडाणीकेँ गिरफ्तार कयल जाय। मुदा हमसभ जनैत छी जे हुनका सभकेँ गिरफ्तार नहिं कयल जायत किएक तँ भारतक प्रधानमन्त्री अडाणीक समर्थन करैत छथि, ओ हुनक रक्षक छथि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *