भाजपा द्वारा कांग्रेस नेता सोनिया गांधी पर गंभीर आरोप लगाओल गेल अछि। भाजपा कहलक अछि जे सोनिया गाँधी कश्मीरकेँ भारतसँ अलग करबाक विचारक समर्थन करैत छथि।
केन्द्रीय मंत्री गिरिराज सिंह कांग्रेसक पूर्व अध्यक्ष सोनिया गाँधी पर भाजपाक आरोपपर प्रतिक्रिया देलनि अछि। सोमदिन (०९ दिसंबर) ओ कहलनि जे सोनिया गाँधी आ राहुल गाँधी देशद्रोहक काज कऽ रहल छथि। जॉर्ज सोरोससँ भेंट कय हुनक भाषा एतय राहुल गाँधी बजैत छथि। सोरोस ओतए राहुल गाँधीक भाषा बजैत छथि। ओ भारत विरोधी लोककेँ फंड दैत छथि। सोनिया गांधी आ राहुल गांधीकेँ एकर जवाब देबाक चाही। टुकड़े-टुकड़े गैंगक ई लोक देशकेँ तोड़बामे लागल छथि आ राहुल गाँधी एकर नेतृत्व कऽ रहल छथि।
वास्तवमे पहिने भाजपा तरफसँ ओकर शोसल मिडिया प्लेटफार्म एक्स पर सोनिया गांधी पर गंभीर आरोप लगाओल गेल छल, जाहि पर
केन्द्रीय मंत्री गिरिराज सिंह सेहो सोमदिन कांग्रेस नेता राहुल गाँधी आ सोनिया गांधी पर हमला कयलनि। भाजपा दावा कयने छल जे सोनिया गाँधी एकटा एहेन सङ्गठनसँ जुड़ल छथि जे कश्मीरकेँ अलग करबाक वकालत करैत अछि। एकर सङ्गहि कहल गेल जे एहि सङ्गठनकेँ जॉर्ज सोरोस फाउंडेशनसँ धन भेटैत अछि।
भाजपा आगू आरोप लगओलक जे एहि संगठनक नाम ‘फोरम ऑफ डेमोक्रेटिक लीडर्स इन एशिया पैसिफिक’ अछि। सोनिया गाँधी सङ्गठनक सह-अध्यक्ष छथि। ई सम्बन्ध भारतक आन्तरिक मामिलामे विदेशी प्रभावकेँ प्रतिबिम्बित करैत अछि।
भाजपा इहो दावा कयलक अछि जे सोनिया गाँधीक राजीव गाँधी फाउंडेशन जॉर्ज सोरोस फाउंडेशनक सङ्ग साझेदारीकेँ बढ़ावा देलक। ई भारतीय सङ्गठन पर विदेशी वित्तपोषणक प्रभावकेँ देखबैत अछि। दोसर दिसि कांग्रेस मोदी सरकार पर अडानीक रक्षा करबाक आरोप लगा रहल अछि। एहि मामिलाक जाँच लेल एकटा संयुक्त संसदीय समितिक गठनक मांग सेहो कयल जा रहल अछि।
केंद्रीय मंत्री गिरिराज सिंह एक्स पर पोस्ट कयलनि, “भारतमे राहुल गांधी जॉर्ज सोरोसक भाषा बजैत छथि आ बाहर जॉर्ज सोरोस राहुल गाँधीक भाषा बजैत छथि। एहेन घनिष्ठ प्रेम ? राहुल गाँधीकेँ हारैत देखि ई तऽ खुलिकेँ सामने आबि गेल अछि।”