कांग्रेस सांसद राहुल गांधी आ पार्टीक महासचिव प्रियंका गांधी वाड्रा बृहस्पतिकेँ केरलक वायनाड पहुँचलथि, जतय हालहिमे भारी बरखाक कारण भूस्खलन भेल छल।
राहुल गाँधी आ प्रियंका गाँधी घटनास्थलक दौरा कयलनि आ पीड़ित परिवारसँ भेंट कयलनि। ओ पीड़ितसभकेँ सान्त्वना देलनि आ हुनका सभकेँ हरसंभव मदतिक आश्वासन देलनि। राहुल गाँधी कहलनि जे हम वायनाड़क लोकक सङ्ग ठाढ़ छी आ हुनका सभक कोनो सम्भव मदति करबाक लेल तैयार छी। संगहि प्रियंका गाँधी सेहो एहि घटना पर दुख व्यक्त कयलनि आ पीड़ितसभकेँ हरसम्भव मदतिक आश्वासन देलनि।
ओ कहलनि जे कांग्रेस पार्टी पीड़ितक हर सम्भव मदति लेल तैयार अछि। राहुल गाँधी आ प्रियंका गाँधीक यात्रासँ वायनाड़क लोकमे आशा जागल अछि जे हुनका मदति भेटत।
जनतब जे केरलक वायनाडमे मंगलदिन भूस्खलनक घटनाक सूचना भेल छल। एखन धरि एहि घटनामे दू सयसँ बेसी लोकक मृत्यु भऽ चुकल अछि आ कतेको लोक एखनो लापता अछि। एहि घटनामे चारिटा गाम पूर्ण रूपसँ नष्ट भऽ गेल अछि।
भूस्खलनक कारण कतेको घर आ सड़क ढ़हि गेल, जाहिसँ लोकसभकेँ निकालनाइ कठिन भऽ गेल। बचावक काज चलि रहल अछि, मुदा भारी बरखा आ भूस्खलनक कारण अभियान प्रभावित भऽ रहल अछि।
प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी भूस्खलनमे मारल गेल लोकक परिवारकेँ २ लाख रुपया आ घायलकेँ ५०,००० रुपयाक क्षतिपूर्ति देबाक घोषणा कयलनि अछि। केरलक मुख्यमंत्री पी. विजयन कहलनि जे राज्य सरकार पीड़ितसभकेँ हरसम्भव सहायता प्रदान कऽ रहल अछि। भूस्खलनसँ प्रभावित लोकसभकेँ आश्रय, भोजन आ चिकित्सा सुविधा प्रदान कयल जा रहल अछि।
वायनाड़क जिला कलेक्टर कहलनि जे सेना आ एनडीआरएफक टीम भूस्खलन प्रभावित क्षेत्रमे बचाव अभियान चला रहल अछि। भूस्खलनक कारण कतेको सड़क आ पुल ढ़हि गेल अछि, जाहिसँ बचावक प्रयासमे बाधा आबि रहल अछि।