केन्द्रीय सूक्ष्म, लघु आ मध्यम उद्यम मंत्री (एमएसएमई) जीतन राम मांझी राज्यमे विधानसभा चुनावमे भाजपाक नेतृत्ववला एनडीए सरकारक प्रदर्शनक लेल प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी आ बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमारकेँ धन्यवाद देलनि अछि आ आभार जतौलनि अछि।
ओ कहलनि, “नरेन्द्र मोदीक चमत्कारी नेतृत्वमे हमसभ एकटा पैघ जीत दर्ज कयलौंह अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक प्रयास आ डबल इंजन सरकारक काजक कारण हम बिहारक चारु विधानसभा सीट पर जीत हासिल कयलहुँ अछि। आगामी २०२५ केर बिहार विधानसभा चुनावमे एनडीए एकताक सङ्ग चुनाव लड़त आ जीतत।
ओ आगू कहलनि जे पीएम मोदी आ सीएम नीतीश कुमार पर राज्यक जनताक विश्वास अक्षुण्ण अछि। जनता विपक्षक भ्रामक दुष्प्रचार केर खारिज कऽ देलक अछि। लोकसभा चुनावमे विपक्ष जनताकेँ गुमराह करबाक काज कयलक, मुदा एहि बेर जनता हुनकर नकारात्मक राजनीतिकेँ खारिज कऽ देलक। हम आ हमर गठबंधन आरक्षण आ संविधानक समर्थनमे अछि। एकरा संग छेड़छाड़ नहि कएल जा सकैत अछि।
एहिसँ पहिने बिहारक मंत्री नीरज कुमार बबलू सेहो कहने छलाह जे ई सफलता प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी आ एनडीए सरकारक नीतिमे लोकक विश्वासक परिणाम अछि। हम एहि जीतक लेल कार्यकर्ता आ मतदाताकेँ धन्यवाद दैत छी। ई जीत जनताक अपेक्षाकेँ पूरा करबाक दिशामे एकटा पैघ डेग अछि। संगहि संग महाराष्ट्रक जीत एहि बातक एकटा उदाहरण अछि जे प्रधानमंत्री मोदी कोन तरहें देश आ सभ राज्यकेँ आगू बढ़यबामे लागल छथि।
मंत्री नीरज कुमार बबलू आगू कहलनि जे प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदीक नेतृत्व क्षमता आ हुनक नीतिकेँ जनता द्वारा मान्यता देल गेल अछि।
बिहारमे सत्तारूढ़ एनडीए शनिदिन चारि विधानसभा क्षेत्रक उपचुनावमे भारी मतक संग जीत हासिल कयलक।ओ इमामगंज सीट बरकरार रखलक। इंडिया ब्लॉकसँ तरारी, रामगढ़ आ बेलागंज सीट छीनि लेलक।