चुनाव

सरकार योजनाबद्ध तरीकासँ देशमे गुस्सा आ नफरत अछि पसारि रहल : प्रियंका गांधी

नई दिल्ली
*

कांग्रेस महासचिव प्रियंका गांधी वाड्रा सोमदिन वायनाड उपचुनावक लेल अपन अभियानक शुरुआत कयलनि। ओ मीनांगडीमे एकटा चुनावी जनसभाकेँ सम्बोधित कयलनि।
प्रियंका गाँधी वाड्रा रैलीकेँ सम्बोधित करैत कहलनि जे अहाँ सभ हमरा जे प्रेम देलहुँ ताहि लेल हम बहुत आभारी छी। किछु दिन पहिने हम नामांकन पत्र दाखिल करबाक लेल वायनाड आयल छलहुँ। हम रातिमे अपन होटल जा रहल छलहुं तखनि किछु लोककेँ ओतय ठाढ़ देखलहुं, तेँ हम रुकि गेलहुँ आ हुनका सभसँ गप्प कयलहुँ।

ओ कहलनि, “ओहिमे सँ एकटा सेनासँ छल। ओ कहलनि जे ओ अपन नोकरीक लेल पूरा देशक यात्रा कयने छथि। ओकर माय हमरासँ भेँट करय चाहैत छलीह, मुदा ओ ओहि ठाम तक चलि कऽ नहिं आबि सकैत छलीह, तेँ हम हुनका कहलहुँ जे हमरा अपन घर लऽ जाउ जाहिसँ हम हुनकासँ भेंट कऽ सकब। ओ हमरा पहिने कहियो व्यक्तिगत रूपसँ नहि देखने छलीह मुदा जखन ओ हमरासँ भेँट कयलनि तखन ओ हमरा एना गरा लगेलीह जेना हम हुनक अपन बच्चा होय। ओ हमरा ठीक ओहिना पकड़लनि जेना हमर माँ पकड़ैत अछि। हमरा कोनो अंतर महसूस नहि भेल। वायनाडमे पैर रखैत अहाँ सभ हमरा प्रति प्रेमक वर्षा कयलौंह अछि।”

ओ भाजपा पर सेहो हमला कयलनि। ओ कहलनि, “अहां जनैत छी जे हम कोन समयमे रहि रहल छी। केंद्रमे भाजपाक सरकार अछि जतय विभिन्न समुदायक बीच भय, अविश्वास आ क्रोध पसरल अछि। अहां अल्पसंख्यक पर हमला देखलहुँ, मणिपुरमे की भेल ? अहाँ बेर-बेर देखलहुँ अछि जे कोना ई सरकार एकजुट आ योजनाबद्ध रूपसँ नफरत आ गुस्सा पसारैत अछि। हमर संविधानक मूल्य केर लगातार तोड़ल जा रहल अछि।”

प्रियंका आगू कहलनि कि जनहितक बदला लगातार प्रधानमंत्रीक विशेष मित्रक पक्षमे नीति बनाओल जा रहल अछि। हमर किसान सभ लेल कोनो दया नहि जे दिन भरि खेतमे मेहनत करैत अछि। आदिवासी लोकक परम्पराक प्रति कोनो समझ आ सम्मान नहि अछि, किएक तँ हुनकालोकनिक जमीन हुनकासँ छीनि कऽ पैघ व्यवसायीकेँ देल जाइत अछि।

प्रियंका गाँधी वायनाडक भूस्खलनक सेहो उल्लेख कयलनि। ओ कहलनि, “वायनाडमे भेल भारी भूस्खलनक बाद जखनि हम अपन भाय राहुलक सङ्ग एतय आयल छलहुँ, तखनि हम देखलहुँ जे कोना लोकक मदति कयल जा रहल अछि। हम देखलहुं जे अहां सभ मददिक लेल हाथ बढ़ेलौंह। कोनो बात नहि जे अहां कोनो धर्म या पेशासं जुड़ल छी। अहां एकटा साहसी लोक छी। अहां अंग्रेजक खिलाफ लड़लहुं, इ अहांक इतिहासमे अछि।”

ओ आगू कहलनि जे वायनाड एकटा सुन्दर स्थान अछि। एहिमे विभिन्न धर्मक लोकक बीच सद्भावक समृद्ध इतिहास अछि। अहाँक कृषक समुदाय पूरा देशकेँ भोजन उपलब्ध करबैत अछि। अहाँक मूल्य मजबूत अछि, समानता आ सामाजिक न्यायमे निहित अछि, जे सब ठाम स्पष्ट अछि।

प्रियंका कहलनि, “अहाँ नारायण गुरु जीक शिक्षाक पालन करैत छी आ सभ धर्मक सम्मान करैत छी। आइ हम भारतक सबसँ गौरवशाली व्यक्ति कोना नहि भऽ सकैत छी जकरा अहाँक प्रतिनिधित्व करबाक अवसर भेटल? जँ अहाँ हमरा चुनैत छी तँ ई हमरा लेल सबसँ पैघ सम्मान होयत।
एहिसँ पहिने मीनांगडी जयबाक क्रममे वायनाडक लोक प्रियंकाक गर्मजोशीसँ स्वागत कयलनि। ओ स्थानीय ननसभसँ सेहो भेंट कयलनि आ हुनकालोकनिक आशीर्वाद लेलनि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *