चुनाव

प्रधानमंत्री मोदी राजनीतिकेँ चालि चरित्र आ तरीका बदलि देलनि : जे पी नड्डा

राजनगर समदिया
*

राजनगरक राज मैदानमे एकटा चुनावी सभाकेँ सम्बोधित करैत भाजपाक राष्ट्रीय अध्यक्ष जे पी नड्डा कहलनि कि देशक प्रधानमंत्री मोदी राजनीति चालि चरित्र एवं परिभाषाकेँ बदलि देलनि। आई राजनीतिमे विकाशबादक बोलबाला अछि। पहिले राजनीतिमे ‘भाषण दो वादा करो और भूल जाओ’ चलैत छल।, जे आब बीत चुकल अछि। आब मोदी सरकारमे वादा कयल गेल मुद्दाकेँ पूरा कयल जा रहल अछि। नड्डा कहलनि कि मजबूत सरकारक कारण भारत अर्थव्यवस्थाक क्षेत्रमें 11म नम्बरसँ 5म नम्बर पर आबि चुकल अछि। ओ कहलनि किदवा निर्यातमें 138 फीसदी वृद्धि भेल । पेट्रोकेमिकलक क्षेत्रमे 106 फीसदी वृद्धि भेल बताओल गेल। जखनकि ओटोमोबाइलक क्षेत्रमें 3र नम्बर पर मोदीक नेतृत्वमे भारत पहुंच चुकल अछि। नड्डा केंद सरकार द्वारा चलाओल जा रहल प्रधानमंत्री आवास योजना, किसान सम्मान निधि, सहित अन्य योजना सभकेँ गनौलनि।
जे पी नड्डा विपक्षी गठबंधनकेँ घमण्डिया गठबंधन बतबैत भ्र्ष्टाचार एवं परिवारवादक संगठन बतौलनि। ओ कांग्रेसकेँ सनातन विरोधी बतबैत एन डी ए के उम्मीदवार रामप्रीत मन्डलकेँ वोट देबाक अपील कयलनि।
सभाकेँ उपमुख्यमंत्री सम्राट चौधरी सम्बोधित करैत 2047 केर विकसित भारतक सपनाकेँ साकार करय लेल पुनः मोदी सरकार बनयबाक सहयोगक अपील कयलनि। सभा विधायक रामप्रीत पासवान, रामप्रीत मन्डल, विनोद नारायण झा, सुधांशू शेखर, शिला मन्डल, वीरेन्द्र चौधरी, मिना कामत, लक्ष्मेश्वर राय, हरिभूषण ठाकुर बकौल सहित कतेको गणमान्य लोकनि सम्बोधित कयलनि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *