देश-दुनिया

प्रधानमंत्री मोदी आ ग्रीसक पीएम मित्सोताकिस भारत-ग्रीस रणनीतिक साझेदारी मजबूत करबा पर कयलनि चर्चा

नई दिल्ली
*

प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी शुक्रदिन अपन ग्रीसक समकक्ष किरियाकोस मित्सोताकिससँ टेलीफोन पर बातचीत कयलनि। पीएम मोदी आ पीएम मित्सोताकिसक बीच फोन कॉलमे भारत-ग्रीस रणनीतिक साझेदारीकेँ आओर मजबूत करबाक प्रतिबद्धता दोहरायल गेल। अपन फोन कॉलमे मित्सोताकिस लोकसभा चुनावमे तेसर बेर फेरसँ निर्वाचित भेलापर प्रधानमंत्री मोदीकेँ बधाई सेहो देलनि।

प्रधानमंत्री कार्यालय (पीएमओ)क अनुसार, दुनू नेता हालक उच्च स्तरीय आदान-प्रदानक माध्यमसँ द्विपक्षीय सम्बन्धमे उत्पन्न गतिक सराहना कयलनि आ भारत-ग्रीस रणनीतिक साझेदारीकेँ आओर मजबूत करबाक लेल अपन दृढ़ प्रतिबद्धता दोहरौलनि। दुनू नेता एहि सालक आरम्भमे प्रधानमन्त्री मित्सोताकिसक भारत यात्राक बादसँ व्यापार, रक्षा, नौवहन आ कनेक्टिविटी सहित द्विपक्षीय सहयोगक विभिन्न क्षेत्रमे भेल प्रगतिक समीक्षा कयलनि।

प्रधानमंत्री मोदी आइ अपन आधिकारिक सोशल हैंडल एक्स पर एकर जानकारी दैत कहलनि, “काल्हि प्रधानमंत्री किरियाकोस मित्सोताकिसक सङ्ग सार्थक चर्चा भेल जे भारत-ग्रीस रणनीतिक साझेदारीकेँ मजबूत करबाक लेल हमर साझा प्रतिबद्धताक पुष्टि कयलक। हमसभ मिलिकेँ व्यापार, रक्षा, शिपिंग आ कनेक्टिविटीमे अपन सहयोगकेँ गहन करबाक लक्ष्य रखैत छी। यूनान यूरोपीय संघक भीतर भारतक लेल एकटा मूल्यवान साझेदार सेहो अछि।”

वार्ताक क्रममे दुनू नेता आईएमईईसी आ पश्चिम एशियाक घटनाक्रम सहित विभिन्न क्षेत्रीय आ वैश्विक मुद्दा पर विचारक आदान-प्रदान कयलनि। दुनू नेता एक दोसरक सम्पर्कमे रहबाक लेल सहमत भेलाह।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *