चुनाव

‘करोड़ों रुपया लs कs दऽ रहल पार्टीक टिकट’, प्रशांत किशोरक पूर्व सीएम पर आरोप

पटना समदिया
*

जन सुराजक सूत्रधार आ पार्टीक स्टार प्रचारक प्रशांत किशोर बिहारमे आगामी उपचुनाव लेल अपन उम्मीदवारक समर्थनमे शनिदिन प्रचार शुरू कयलथि। किशोर सबसँ पहिने रामगढ़ विधानसभा क्षेत्रक नुआंव प्रखंडसँ अपन जन संवाद कार्यक्रमक शुरुआत करैत बहुजन समाज पार्टीक प्रमुख मायावती पर गंभीर आरोप लगबैत कहलनि, “एहिठामक लोक बसपाक विचारधाराक आधार पर मतदान करैत आबि रहल अछि। मुदा जखनि अहाँक बच्चा बीमार पड़ैत अछि या अहाँकेँ संकटक सामना करय पड़ैत अछि तखन मायावती आ हुनक नेता नहि अबैत छथि। मायावती करोड़ो रुपयामे बीएसपीक टिकट दैत छथिन। करोड़ो रुपया दऽ कऽ टिकट पाबय वला नेताकेँ अहांक चिंता होयत वा मायावतीके देल गेल पाइक चिंता होएत ?

जन सूरजक सूत्रधार पीके जनतासँ अपील कयलनि जे आबय वाला उपचुनावमे अहां अपन जातिक बंधन तोड़ि कs अपन संतानक भविष्यक लेल, अपन बिहारक भविष्यक लेल वोट देब, जाहिसँ बिहारक कोनो युवा जखनि दोसर राज्यमे जाए तऽ ओकरा बिहारी कहि कs कियो गारि नहिं देत। ओ रामगढ़क लोकसभकेँ चेतौनी देलनि, “जँ अहाँ भाजपाकेँ वोट देब तँ मोन राखू जे ओ सत्ताक लेल मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक समर्थन करत। मुख्यमंत्री जे कोरोना संकटमे अहांकेँ अपन हाल पर छोड़ि देलनि । बिहारक बच्चा सभ देश भरिसँ बिहार पैदल चलि अयलाह, मुदा अहाँक मुख्यमंत्री अपन निवाससँ बाहर तक नहि अयलाह। ई चुनाव एहेन असंवेदनशील मुख्यमंत्रीकेँ सबक सिखयबाक चुनाव अछि।

बेलागंजमे राजदक सुरेन्द्र यादव, तरारीमे सीपीआई केर सुदामा प्रसाद, इमामगंजमे हिन्दुस्तानी अवाम मोर्चाक जीतन राम मांझी आ रामगढ़मे राजदक सुधाकर सिंहके बाद ई चारु सीट खाली भेल छल। मतदान १३ नवम्बरकेँ होयत आ परिणाम २३ नवम्बरकेँ घोषित कयल जायत।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *