स्वास्थ्य

पीएमबीजेपी आ पीएसीएस साझेदारी ग्रामीण क्षेत्रमे खोलत जन औषधि केन्द्र

नई दिल्ली
*

देशक ग्रामीण क्षेत्रमे दवाईक पैठ बढ़यबाक लेल भारतीय जन औषधि परियोजना (पीएमबीजेपी)क कार्यान्वयन एजेंसी फार्मास्यूटिकल्स एंड मेडिकल डिवाइसेस ब्यूरो ऑफ इंडिया प्राथमिक कृषि सहकारी समिति (पीएसीएस) केर माध्यमसँ जन औषधि केन्द्र खोलबाक लेल सहकारी क्षेत्रक सङ्ग साझेदारी कयलक अछि।

ई जानकारी केन्द्रीय रसायन आ उर्वरक राज्य मंत्री अनुप्रिया पटेल राज्यसभामे एकटा प्रश्नक लिखित उत्तरमे देलनि। ओ जनओलनि जे ३० नवम्बर २०२४ धरि २६९० सँ बेसी पैक्सकेँ प्रारम्भिक स्वीकृति देल गेल अछि आ पैक्समे ६८७ केन्द्र खोलल गेल अछि।

केन्द्र सरकार नवम्बर, २००८ मे प्रधानमंत्री भारतीय जन औषधि परियोजना (पीएमबीजेपी) शुरू कयलक अछि जकर अन्तर्गत व्यक्तिगत उद्यमी, गैर सरकारी संगठन, समिति, ट्रस्ट, फर्म, निजी कंपनी आदिसँ आवेदन आमंत्रित कऽ जन औषधि केन्द्र (जेएके) खोलल जा रहल अछि। एहि केन्द्रसभकेँ खोलैत काल दुटा केन्द्रक बीच १ किलोमीटरक दूरी बनाओल जाइत अछि।

सभ जिलाँसँ www.janaushadhi.gov.in वेबसाइटक माध्यमसँ ऑनलाइन आवेदन आमंत्रित कयल गेल अछि। एहि प्रक्रियासँ प्रखण्डक सङ्ग-सङ्ग जिला स्तर पर जन औषधि केन्द्र (जेएके) खोलब आसान भऽ गेल अछि। नव जेएके खोलबाक लेल कोनो राज्य/केंद्रशासित प्रदेशवार लक्ष्य निर्धारित नहि कयल गेल अछि।

केंद्र सरकार स्वास्थ्य योजना औषधालय, विभिन्न एम्स, अस्पताल आदिमे जन औषधि दवाइसभक आपूर्ति कयल जा रहल अछि। सभ जेएके अपन द्वारा कयल गेल मासिक खरीदक २०% दरसँ प्रोत्साहनक पात्र छथि, जे प्रति मास २०,००० रुपैयाक सीमाक अधीन अछि।

रसायन आ उर्वरक मंत्रालयक अनुसार, नीति आयोग द्वारा अथवा महिला उद्यमी, भूतपूर्व सैनिक, दिव्यांग व्यक्ति, अनुसूचित जाति आ अनुसूचित जनजाति द्वारा फर्नीचर, कंप्यूटर, रेफ्रिजरेटर आ अन्य फिक्स्चथक लेल समर्थनक रूपमे पूर्वोत्तर राज्य, हिमालयी क्षेत्र, द्वीप क्षेत्र आ आकांक्षी जिलाक रूपमे उल्लिखित क्षेत्रमे खोलल गेल जेएकेकेँ एकमुश्त २.०० लाख रुपैयाक प्रोत्साहन राशि प्रदान कयल जाइत अछि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *