प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी सहयोग आ साझेदारी मजबूत करबाक लेल जल्दिये कुवैत जा सकैत छथि। कोनो भारतीय प्रधानमंत्रीक ई प्रमुख पश्चिम एशियाई देशक पहिल यात्रा होयत। कुवैत लग वर्तमानमे खाड़ी सहयोग परिषद (जीसीसी)क अध्यक्षता अछि।
पछिला सप्ताह कुवैतक विदेश मंत्री अब्दुल्ला अली अल-याह्या भारत यात्राक क्रममे पीएम मोदीसँ भेंट कयलनि। ओ कुवैत नेतृत्वक दिससँ प्रधानमंत्रीकेँ “शीघ्रतम अवसर भेटला पर” देशक दौरा करबाक निमंत्रण देने छलाह। प्रधानमंत्री मोदी कृपापूर्वक आमंत्रण स्वीकार कऽ लेने छलाह।
कुवैत जीसीसीक एकमात्र सदस्य देश अछि जतय पीएम मोदी २०१४ मे पदभार सम्हारलाक बादसँ एखनि धरि नहि गेल छथि। २०२२ मे प्रस्तावित यात्रा कोविड महामारीक कारण स्थगित कऽ देल गेल छल।
कुवैतक अतिरिक्त जीसीसीमे संयुक्त अरब अमीरात, बहरीन, सऊदी अरब, ओमान आ कतार सेहो सम्मिलित अछि।
सितम्बरमे, प्रधानमंत्री मोदी न्यूयॉर्कमे संयुक्त राष्ट्र महासभाक ७९म सत्रक दौरान कुवैतक क्राउन प्रिंस शेख सबा खालिद अल-हमद अल-मुबारक अल-सबहसँ भेंट कयलनि। दुनू नेताक बीच ई पहिल बैसार छल।
पछिला सप्ताह यात्रा पर आबि रहल कुवैतक विदेश मंत्रीक सङ्ग अपन चर्चाक क्रममे प्रधानमंत्री मोदी विश्वास व्यक्त कयलनि जे कुवैतक जीसीसीक वर्तमान अध्यक्षतामे भारत आ खाड़ी सहयोग परिषदक बीच घनिष्ठ सहयोगकेँ आओर मजबूत कयल जायत।
पश्चिम एशियाक स्थिति पर विचारक आदान-प्रदान करैत प्रधानमंत्री मोदी एहि क्षेत्रमे शान्ति, सुरक्षा आ स्थिरताक शीघ्र वापसीक समर्थन व्यक्त कयलनि। ओ कुवैतमे रहयवला दस लाख भारतीयक देखभाल करबाक लेल कुवैतक नेतृत्वकेँ धन्यवाद देलनि।