प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी शुक्रदिन जनजाति गौरव दिवसक अवसर पर भगवान बिरसा मुण्डाकेँ श्रद्धांजलि देलनि। एतय प्रधानमंत्री मोदीक पारम्परिक नृत्य प्रस्तुतिक सङ्ग गर्मजोशीसँ स्वागत कयल गेल। जनजातीय गौरव दिवस समारोहक दौरान प्रधानमंत्री मोदी नृत्य कलाकारक सङ्ग जुड़लाह आ पारम्परिक ढोल बजौलनि। एहि अवसर पर आदिवासी नेता बिरसा मुण्डाक प्रतिमा प्रधानमन्त्रीकेँ भेंट कयल गेल।
एहि अवसर पर प्रधानमंत्री मोदी आइ भगवान बिरसा मुण्डाक सम्मानमे एकटा स्मारक सिक्का आ डाक टिकटक अनावरण कयलनि। एकर अतिरिक्त ओ ६,६४० करोड़ टाकासँ बेसीक कतेको विकास परियोजनाक उद्घाटन आ शिलान्यास करताह। एहि परियोजनासभक उद्देश्य आदिवासी समुदायकेँ सशक्त बनायब एवं ग्रामीण आ दूरस्थ क्षेत्रमे बुनियादी ढाँचामे सुधार करब अछि। पीएम मोदी प्रधानमंत्री जनजातीय आदिवासी न्याय महाअभियान (पीएम-जनमन)क अन्तर्गत बनल ११,००० घरक गृह प्रवेशमे सेहो भाग लेताह।
मोदीक आगमनसँ पहिने जमुईमे विकास परियोजनाक उद्घाटन आ शिलान्यासकेँ लऽ कऽ लोकमे बहुत उत्साह देखल गेल।
एकटा आओर व्यक्ति कहलनि जे, “प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी भगवान बिरसा मुण्डाक १५०म जयन्ती पर आइ एतय आयल छथि। हम पीएम मोदीक बात सुनय चाहैत छी। प्रधानमंत्री मोदी किसान आ मजदूरक लेल बहुत काज कयने छथि। पीएम मोदीक स्वागत करैत हम बहुत खुश छी।”