देश-दुनिया

पीएम मोदी इटलीक पीएम मेलोनीसँ कयलनि भेंट, दोहराओल गेल रणनीतिक साझेदारीक प्रतिबद्धता

नई दिल्ली
*

रियो डी जेनेरियोमे चलि रहल जी-२० बैसारसँ अलग प्रधानमंत्री मोदी सदस्य देशसभक सङ्ग द्विपक्षीय बैसार कयलनि। प्रधानमंत्री मोदी आ हुनक इतालवी समकक्ष जाॅर्जिया मेलोनी ब्राजीलक रियोमे जी-२० शिखर सम्मेलनक दौरान भारत-इटली रणनीतिक साझेदारीक महत्वकेँ स्वीकार कयलनि। सोमदिन द्विपक्षीय बैसारक दौरान दुनू नेता अपन सहयोगकेँ मजबूत करबाक लेल सहमत भेलाह।

वक्तव्यमे कहल गेल अछि जे दुनू नेता रोम-नई दिल्लीक साझेदारीकेँ आगू बढ़यबाक लेल एकटा ज्वांइट स्ट्रेटजिक एक्शन प्लानक सङ्ग-सङ्ग टाइम सेंसेटिव इनिशिएटिवक सीरीजक रूपरेखा तैयार कयलनि। मोदीक अपन इतालवी समकक्ष जाॅर्जिया मेलोनीक सङ्ग वार्ता कतेको प्रमुख क्षेत्रमे दुनू देशक बीच साझेदारी बढ़यबा पर केन्द्रित छल।

पीएम विस्तारसँ कहलनि, “रियो डी जेनेरियोमे जी-२० शिखर सम्मेलनसँ अलग प्रधानमन्त्री जाॅर्जिया मेलोनीसँ भेंट कऽ हम प्रसन्न भेलहुँ। हमर गप्प-सप्प केंद्रित रहल। हम संस्कृति, शिक्षा आ एहेन अन्य क्षेत्रमे सहयोग बढ़ेबाक बात सेहो कयलहुँ। भारत-इटली मित्रता एकटा नीक दुनियाक निर्माणमे महत्वपूर्ण योगदान दऽ सकैत अछि।”

इटलीक प्रधानमंत्री मेलोनी सेहो एक्स पर पोस्ट कयलनि, “भारतक प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदीसँ भेंट करब सदैव बहुत आनन्दक बात अछि। रियो डी जेनेरियोमे जी-२० शिखर सम्मेलनसँ अलग सेहो हमसभ भेँट कयलहुँ।”

मेलोनी कहलनि, “ई वार्तालाप एकटा अमूल्य अवसर छल जे हमरासभकेँ व्यापार आ निवेश, विज्ञान-प्रौद्योगिकी, स्वच्छ ऊर्जा, अंतरिक्ष, रक्षा, कनेक्टिविटी सन बहुत किछु प्रमुख क्षेत्रमे २०२५-२९क लेल संयुक्त रणनीतिक कार्य योजनाक घोषणाक सङ्ग भारत-इटली रणनीतिक साझेदारीकेँ आगू बढ़यबाक लेल अपन साझा प्रतिबद्धताक पुष्टि करबाक अनुमति देलक।”

इटलीक प्रधानमन्त्री कहलनि, “हम दुनू देशक अर्थव्यवस्था, नागरिकक लाभक लेल आ लोकतंत्र, कानूनक शासन आ विकासक साझा मूल्यक समर्थनमे अपन द्विपक्षीय साझेदारीकेँ गहन करबाक लेल मिलिकऽ काज करब जारी रखबाक लेल सहमत भेलहुँ।”

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *