प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदीक शनिसँ तीन देशक दौरा शुरु भेल। दौरा २१ नवम्बरकेँ समाप्त होएत। प्रधानमंत्री शनि आ रवि नाइजीरियामे रहताह। एकर बाद पीएम मोदी जी-२० शिखर सम्मेलनमे भाग लेबाक लेल ब्राजील पहुंचताह। पुनः ओ गुयानाक लेल रवाना होएताह।
प्रधानमंत्री मोदी नाइजीरियाक राष्ट्रपति बोला अहमद टीनूबूक आमंत्रण पर ओतय पहुँचि रहल छथि। हालहिमे विदेश मंत्रालय हुनक यात्राक विवरण जारी कयने छल। १७ सालक बाद पहिल बेर कोनो भारतीय प्रधानमन्त्री नाइजीरियाक दौरा कऽ रहल छथि। मनमोहन सिंह अन्तिम बेर अक्टूबर २००७ मे नाइजीरिया गेल छलाह। १७ नवम्बरकेँ राष्ट्रपति विलामे हुनक स्वागत कयल जायत। एकर बाद ओ राष्ट्रपति टिनूबूक सङ्ग बैसार करताह। एकर बाद प्रतिनिधिमण्डल स्तरीय वार्तामे द्विपक्षीय सम्बन्ध पर चर्चा होयत।
नाइजीरियाक बाद प्रधानमंत्री मोदी ब्राजील पहुंचताह। ओ १८ आ १९ नवंबरकेँ ओतय रहताह। प्रधानमंत्री जी-२० शिखर सम्मेलनमे भाग लेबाक लेल ब्राजीलक रियो डी जनेरियो जयताह। एकर अतिरिक्त, गुयानामे (१९-२१ नवंबर) रहबाक अवधिमे ओ जॉर्जटाउनमे दोसर कैरिकॉम-भारत शिखर सम्मेलनमे भाग लेताह। गुयानाक यात्रा विशेष अछि किएक तँ १९६८क बाद कोनो भारतीय प्रधानमन्त्रीक ई पहिल यात्रा होयत।
रूसमे ब्रिक्स शिखर सम्मेलनक एको माससँ कम समयक बाद प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदीक ब्राजीलमे पुनः चीनक राष्ट्रपति शी जिनपिंगसँ भेंट करबाक आशा अछि। जी-२० शिखर सम्मेलनसँ अलग प्रधानमंत्री मोदी अमेरिकी राष्ट्रपति जो बाइडेनसँ सेहो भेंट करताह।