रोजगार

पीएम मोदी २३ दिसम्बरकेँ रोजगार मेलामे ७१ हजार युवाकेँ सौंपताह नियुक्ति पत्र

नई दिल्ली
*

प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी सोमदिन भर्ती अभियान ‘रोजगार मेला’क दौरान ७१,००० सँ बेसी युवाकेँ नियुक्ति पत्र वितरित करताह। एहि अवसर पर पीएम मोदी वीडियो कॉन्फ्रेंसिंग केर माध्यमसँ युवाकेँ संबोधित सेहो करताह। प्रधानमंत्री कार्यालय रविदिन एकटा बयान जारी कऽ ई जानकारी देलक।

प्रधानमंत्री मोदी देश भरिक ४५ स्थानक आयोजित कार्यक्रममे भोर १०:३० बजे वीडियो कॉन्फ्रेंसक माध्यमसँ शामिल हेताह। ई नियुक्ति गृह मंत्रालय, डाक विभाग, उच्च शिक्षा विभाग, स्वास्थ्य आ परिवार कल्याण मंत्रालय, आ वित्तीय सेवा विभाग सहित विभिन्न मंत्रालय/विभागमे कयल जा रहल अछि।

पीएमओक अनुसार, रोजगार सृजनकेँ सर्वोच्च प्राथमिकता देबाक प्रधानमंत्रीक प्रतिबद्धताकेँ पूरा करबाक दिशामे ई एकटा आओर डेग अछि। ई युवासभकेँ राष्ट्र निर्माण आ आत्म-सशक्तिकरणमे भाग लेबाक सार्थक अवसर प्रदान करत।

एहिसँ पहिने २९ अक्टूबरकेँ प्रधानमंत्री मोदी रोजगार मेलाकेँ सम्बोधित कयलनि आ वीडियो कॉन्फ्रेंसिंगक माध्यमसँ सरकारी विभाग आ सङ्गठनमे ५१ हजारसँ बेसी नवनियुक्त युवासभकेँ नियुक्ति पत्र वितरित कयने छलथि।

ओहि समयमे पीएम मोदी नौकरीक पत्र प्राप्त करय बला युवासभसँ कहलनि जे ओ शासक नहि बल्कि जनताक सेवक छथि आ तेँ गरीब आ पिछड़ल वर्गक सेवा करबाक चाही। अगिला ३५ सालमे अहां विकसित भारतक निर्माण करब।

उल्लेखनीय अछि जे २९ अक्टूबरकेँ भेल रोजगार मेला लोकसभा चुनावक बाद पीएम मोदीक तेसर कार्यकालमे पहिल छल। रोजगार मेला अक्टूबर २०२२ मे शुरू भेल छल, आ एखन धरि १३टा मेलाक आयोजन कयल गेल अछि, जाहिसँ ८५०,००० सँ बेसी युवाकेँ रोजगार भेटल अछि। पहिल समारोहक दौरान ७५,००० सँ बेसी नियुक्ति पत्र देल गेल।

भर्ती केन्द्रीय मंत्रालय आ विभाग द्वारा स्वयं आ यूपीएससी, एसएससी, आ रेलवे भर्ती बोर्ड सन भर्ती एजेंसीक माध्यमसँ कयल जाइत अछि। चयन प्रक्रिया सरल आ तकनीकी रूपसँ कुशल कहल जाइत अछि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *