प्रधानमंत्री मोदी काल्हि बुधकेँ पोलैंड आ यूक्रेनक दू देशक यात्रापर विदा भेलाह। विदासँ पहिने ओ कहलनि जे ओ यूक्रेनक राष्ट्रपतिक सङ्ग संघर्षक शांतिपूर्ण समाधानक दृष्टिकोण साझा करताह। एकटा मित्र आ साझेदारक रूपमे भारत एहि क्षेत्रमे शान्ति आ स्थिरताक शीघ्र वापसीक आशा करैत अछि।
पोलैंड राजनयिक संबंधक ७० साल पूरा कयलक।
पोलैंडक अपन यात्रासँ पहिने पीएम मोदी कहलनि जे हुनका विश्वास अछि जे ई यात्रा दुनू देशक सङ्ग व्यापक सम्पर्कक स्वाभाविक निरंतरताक रूपमे काज करत, आ आबयवला वर्षमे मजबूत आ बेसी जीवंत सम्बन्धक आधारशिला रखबामे सहायता करत। ओ कहलनि, “हुनकर पोलैंड यात्रा एहन समयमे भऽ रहल अछि जखनि हम अपन राजनयिक सम्बन्धक ७०म वर्षगाँठ मना रहल छी। पोलैंड मध्य यूरोपमे एकटा प्रमुख आर्थिक भागीदार अछि। लोकतंत्र आ बहुलवादक प्रति हमर पारस्परिक प्रतिबद्धता हमर सम्बन्धकेँ आओर मजबूत करैत अछि।” ओ अपन मित्र प्रधानमन्त्री डोनाल्ड टस्क आ राष्ट्रपति आन्द्रेज डुडासँ भेंट करबाक लेल उत्सुक छथि, जाहिसँ हमर साझेदारी केर आओर आगू बढ़ाओल जा सकय। ओ पोलैंडमे जीवन्त भारतीय समुदायक सदस्य सभसँ सेहो भेंट करताह।
मोदी कहलनि जे पोलैंडसँ ओ यूक्रेनक राष्ट्रपति वोलोडिमिर ज़ेलेंस्कीक आमंत्रण पर यूक्रेन जयताह। कोनो भारतीय प्रधानमंत्रीक यूक्रेनक ई पहिल यात्रा अछि। ओ द्विपक्षीय सहयोगकेँ मजबूत करबाक लेल आ चलि रहल यूक्रेन संघर्षक शांतिपूर्ण समाधानपर दृष्टिकोण साझा करबाक लेल राष्ट्रपति ज़ेलेंस्कीक सङ्ग पहिलुक वार्ताकेँ आगू बढ़यबाक अवसरक प्रतीक्षा कय रहल छथि।