प्रधानमंत्री मोदी दरभंगा एम्सक आधारशिला रखताह, १०,००० करोड़ टाकासँ बेसी केर नव आ पुरान राष्ट्रीय राजमार्गक चौड़ीकरण आ जल एवं बिजलीसँ जुड़ल योजनाक घोषणा करताह। एहिमे नवनिर्मित अररिया-बहादुरगंज आ बहादुरगंज-गलगलिया सड़कक उद्घाटन शामिल अछि।
एकर अलावा पीएम मोदी अररिया-रानीगंज सड़कक आधारशिला सेहो रखताह। ९४ किलोमीटर नमगर एहि सड़कक निर्माण १,५४६ करोड़ टाकाक लागतसँ होयत। भारत-नेपाल सुरक्षाक दृष्टिकोणसँ सेहो ई सड़क बहुत महत्वपूर्ण अछि।
जानकारीक अनुसार एहि सड़कक निर्माण दूटा पैकेजमे होयत। पहिल पैकेजमे किशनगंजक गलगलियासँ बहादुरगंज धरि ४९ किलोमीटर नमगर सड़कक निर्माण कयल जायत। निर्माणक सिविल लागत ५९९ करोड़ रुपया होयत जखन कि परियोजनाक कुल लागत ७६६ करोड़ रुपया होयत। दोसर पैकेजमे किशनगंज जिलाक बहादुरगंजक बीच अररिया धरि सड़क बनाओल जायत। ४५ किलोमीटरक एहि सड़कक सिविल लागत ५९८ करोड़ रुपया अछि जखन कि कुल लागत ७८०.३२ करोड़ रुपैया अछि।
अररियासँ गलगलियाक बीच चारि लेनक सड़क बिहार-नेपालक समानान्तर एकटा आओर सड़क बनत, जे आपातकालक स्थितिमे एनएच ५७ के विकल्पक रूपमे काज करत। अररियाक अलावा सुपौल, मधुबनी, दरभंगा, मुजफ्फरपुर सहित आन जिलासँ नेपाल आ बंगाल आबय-जायमे आसानी होएत। वर्तमानमे एहि क्षेत्रमे दू लेनक सड़क अछि। एहि कारणेँ लोकसभकेँ पूर्णिया होइत आबय-जाय पड़ैत अछि। आब अररियेसँ सीधा सिलीगुड़ी जा सकब।
प्रधानमंत्री मोदी आइ बुध १३ नवम्बरकेँ दरभंगा पहुंचताह। जतय ओ एम्सक आधारशिला रखताह। राज्यक दोसर एम्स दरभंगाक सोभन बाईपासमे १८७ एकड़ जमीन पर बनत।
दरभंगामे एम्सकेँ २०१९-२० मे मंजूरी देल गेल छल। ७५० बिस्तरवला एहि अस्पतालक लेल २०२० मे १ हजार ७०० करोड़क राशि स्वीकृत कयल गेल छल। आईआईटी दिल्लीकेँ संस्थानक पुनर्निर्माणक जिम्मेदारी देल गेल अछि। दरभंगा एम्सक आधारशिला रखबाक अवसर पर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सेहो उपस्थित रहताह।
दरभंगा एम्ससँ मिथिलावासी सहित नेपाल आ पूर्वोत्तर राज्यक लोककेँ नीक स्वास्थ्य सुविधा भेटत। एकर अतिरिक्त प्रधानमंत्री दरभंगा शहरक तेसर रेलवे स्टेशनक उद्घाटन सेहो करताह। प्रधानमंत्री दरभंगा बाईपास रेल लाइनक उद्घाटन सेहो करताह आ तेसर रेलवे स्टेशन शहरकेँ सौंपताह। पहिनेसँ दरभंगा शहरमे दूटा रेलवे स्टेशन अछि। एहि बाईपास लाइनकेँ चालू भेलासँ ट्रेन दरभंगा जंक्शन पर आबि सीतामढ़ीसँ सकरी दिसि जा सकत। एहिसँ समयक सङ्ग दरभंगा जंक्शनपर ट्रेनक दबाव सेहो कम होयत संगहि दिल्लीसँ बंगाल धरि सुलभ मार्ग सेहो उपलब्ध होयत।
जनतब जे बिहारमे उपचुनाव १३ नवंबरकेँ हेबाक अछि। झारखण्डमे विधानसभा चुनाव होबयवला अछि। पीएम मोदी करोड़ो केर उपहारक संग-संग वोट बैंकक सेहो निशाना साधि रहल छथि। ओ जमुईमे आदिवासी नेता बिरसा मुण्डाक १५०म जयंती समारोहमे सेहो भाग लेताह। एकर संगहि ओ बिरसा मुण्डाक प्रतिमाक अनावरण सेहो करताह। आदिवासी समुदायक लोक बिरसा मुण्डाकेँ भगवान मानैत छथि।