राजद अध्यक्ष लालू प्रसाद रविदिन बिहारक राजधानीमे प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदीक रोड शोसँ पहिने एकटा बयान जारी करैत हुनका पर कटाक्ष कयलथि। बिहारक पूर्व मुख्यमंत्री कहलनि जे प्रधानमंत्रीक नुक्कड़ नाटकसँ बिहारकेँ की लाभ होयत। “ई बिहार अछि। तीन चरणमे बिहार प्रधानमंत्रीकेँ सड़क पर आनि देलक अछि, शेष बांचल चारि चरणमे गली-गलीमे चक्कर लगबाओत।”
लालू प्रसाद प्रधानमंत्री मोदीकेँ 2014 मे राज्यक बंद चीनी मिल खोलय केर वादाकेँ याद कराबैत कहलनि कि नीतीश कुमारक आग्रहक बावजूद केंद्र बिहारकेँ विशेष दर्जा आ पटना विश्वविद्यालयकेँ केंद्रीय दर्जा देबामे विफल रहल। “बिहारक लोक बुड़बक (मूर्ख) नहिं छथि। राज्यक जनता नीक जकाँ जानैत अछि जे यद्यपि राष्ट्रीय जनतांत्रिक गठबंधन (एनडीए) केँ २०१९ मे राज्यक ४० लोकसभा सीटमेसँ ३९ सीट भेटल छल, मुदा एनडीए बहुत दिन धरि सत्तामे रहलाक बादो गुजरातकेँ निवेश आ अन्य विकास काजक लेल प्राथमिकता देल गेल।”
संगहि लालू यादवक पुत्र आ नेता प्रतिपक्ष तेजस्वी यादव सेहो रविदिन कड़ा प्रतिक्रिया देलनि। ओ कहलनि “प्रधानमंत्री आबि रहल छथि, गृहमंत्री आबि रहल छथि, राजनाथ सिंह आबि रहल छथि, जेपी नड्डा आबि रहल छथि, नितिन गडकरी आबि रहल छथि, विभिन्न राज्यक मुख्यमंत्री आबि रहल छथि। सबकेँ भाजपाक पक्षमे प्रचार करय लेल बिहार आनल जा रहल अछि। जखन कि हम असगर ठाढ़ छी। हम लगभग १४० जनसभा कए चुकल छी। एकर मतलब अछि जे हम सभ पर भारी पड़ि रहल छी।
तेजस्वी यादव प्रधानमंत्रीसँ कतेको सवाल पूछलनि।
तेजस्वी यादव कहलखिन जे पीएम मोदी रोड शो कऽ रहल छथि जखन कि हम सब जॉब शो कऽ चुकल छी। हम प्रधानमंत्रीसँ अपील करय चाहैत छी जे अहां एखन धरि ८-१० बेर बिहार आबि चुकल छी। अगिला पांच सालमे अहाँ बिहारक लेल की करब, ई जनताकेँ नहिं कहलहुं ? भले प्रधानमंत्री बिहार आबि रहल छथि मुदा बिहारक जनता सँ कयल गेल एकोटा वादा पूरा नहिं कयलथि। ओ कहलनि जे ओ विशेष पैकेज, बिहार पर विशेष ध्यान, विशेष दर्जा देब, एहि वादाक की भेल ? ४० मे सँ ३९ सांसद हुनकर पार्टीक छथि। पिछला १० सालमे ओ बिहारक लेल की कयलनि ?
नेता प्रतिपक्ष आगू कहलनि जे प्रधानमंत्रीक रोड शो लेल मार्ग कतेको बेर बदलल जा रहल अछि। भीड़ जमा नहिं भए रहल अछि। रोड शो केर लेल एकटा संकीर्ण रास्ता चुनल जा रहल अछि। भाजपाकेँ गामसँ भगा देल गेल अछि। भाजपाक लोक डरि गेल छथि, ओ जनैत छथि जे ओ बिहार हारि गेलाह। प्रधानमंत्री मोदी बिहारक लेल अपन दृष्टिकोणक बात नहिं करैत छथि। ओ सभ मात्र साम्प्रदायिकरण करैत छथि। बिहारक लोक हुनकर विश्वासघात बुझि चुकल अछि। पीएम मोदीक यात्राक कोनो प्रभाव नहिं पड़त।
बतबैत चली जे रविकेँ पीएम मोदी पश्चिम बंगालक दौरा पर छथि। ओ पश्चिम बङ्गालक बैरकपुर, हुगली, आरामबाग, हावड़ामे जनसभा कयलनि।
प्रधानमंत्री मोदी बैरकपुरमे जनसभाकेँ सम्बोधित करैत ५ टा गारंटी देलनि। पीएम मोदी कहलनि जे पहिल गारंटी ई अछि जे जाबत मोदी देशमे अछि, धर्मक आधार पर कोनो आरक्षण नहिं होयत। दोसर गारंटी ई अछि जे जाबत मोदी अछि ताधरि एससी, एसटी, ओबीसीक आरक्षण कियो नहिं छीनि सकत। पीएम मोदी कहलनि जे तेसर गारंटी ई अछि जे जाबत मोदी अछि ताबत रामनवमीक पाबनिकेँ कियो नहिं रोकि सकत। चारिम गारंटी ई अछि जे जाबत मोदी अछि, राम मन्दिर पर सर्वोच्च न्यायालयक फैसलाकेँ कियो पलटि नहिं सकैत अछि। पाँचम गारंटी ई अछि जे जाबत मोदी अछि, ताबत धरि कियो सीएए कानूनकेँ पलटि नहिं सकैत अछि।
एहि दौरान प्रधानमंत्री सीएए पर सेहो अपन बात रखलखिन। ओ कहलनि जे सीएए नागरिकता देबाक कानून अछि, नागरिकता लेबाक कानून नहिं।