एहि समय पटनाक स्कूलसँ जुड़ल बड़का समाचार सामने आबि रहल अछि। पटनामे हीट वेव अर्थात भीषण गरमीकेँ देखैत पटनाक डीएम शीर्षत कपिल अशोक स्कूल बंद रखबाक निर्देश देलनि अछि। पटनाक डीएम शीर्षत कपिल अशोक जिलाक सभ स्कूलमे छुट्टी १९ जून धरि बढ़यबाक निर्देश देलनि अछि। वास्तवमे शिक्षा विभागक अपर मुख्य सचिव एस. सिद्धार्थक निर्देशक बाद बिहारक स्कूल केर १७ जून तक बंद रखबाक निर्देश देल गेल छल। ओतहि १८ जूनसँ स्कूल खुलबाक छल, मुदा एहि बीच पटनाक डीएम छुट्टी २ दिन बढ़ा देलनि अछि।
पटनाक डीएम शीर्षत कपिल अशोक सभ निजी आ सरकारी स्कूलक लेल आदेश जारी कयने छथि। पटनाक डीएम मात्र कक्षा ८ धरि बच्चाक लेल स्कूलक छुट्टी बढ़यबाक आदेश देलनि अछि। पटना डीएमक आदेश अनुसार शिक्षक आ कर्मीकेँ स्कूल आबय पड़त। एहि दौरान मात्र बच्चाक लेल छुट्टी रहत।
वास्तवमे, मौसम विभाग सेहो लोकसभसँ हीट वेवसँ सावधान रहबाक अपील कयलक अछि। दुपहरमे बिना आवश्यक काजक बाहर जायब सेहो वर्जित अछि। एहनमे शिक्षक आ छात्र आ हुनकर अभिभावक सेहो गर्मी केर देखैत स्कूल बंद करबाक मांग कऽ रहल छथि। कहल जा रहल अछि जे गर्मी आ लू केर देखैत आन जिलाक डीएम स्कूल बंद करय केर निर्देश जारी कऽ सकैत छथि।