स्वास्थ्य

पटना एम्सक निदेशककेँ केन्द्र हटेलक, कयलक दिल्ली तलब

पटना
*

पटना एम्सक निदेशक डॉ. जीके पालकेँ बेटासँ जुड़ल मामिलामे हटा देल गेल अछि। देवघर एम्सक निदेशक डॉ. सौरभ वार्ष्णेयकेँ पटना एम्सक अतिरिक्त प्रभार देल गेल अछि।

पटना एम्सक निदेशक जीके पालकेँ केंद्र सरकार हटा देलक अछि। बेटा पर फर्जी सर्टिफिकेटक संग प्रवेश लेबाक आरोप छल। देवघर एम्सक निदेशककेँ पटना एम्सक जिम्मेदारी भेटल अछि। बुध (६ नवंबर) सँ ओ पटना एम्सक निदेशकक रूपमे पदभार सम्हारताह। ओतहि केंद्र सरकार एहि संबंधमे पत्र जारी कयलक अछि। एम्स देवघरक निदेशककेँ पटना एम्सक अतिरिक्त प्रभार देल गेल अछि।

डॉ. जीके पाल पर आरोप छल जे ओ गलत ओबीसी प्रमाणपत्र बना कऽ अपन बेटाक लेल प्रवेश लेलनि। डॉ. जीके पाल पर आरोप अछि जे ओ एम्स गोरखपुरक अतिरिक्त प्रभारमे रहैत अपन बेटाक पीजीमे नामांकित कयलनि। एहिमे हुनक बेटाक प्रमाणपत्र नाॅन-क्रीमी लेयरक अन्तर्गत बनाओल गेल छल।

एहि मामिलामे जांच कएल गेल। जांचक लेल दू सदस्यीय समितिक गठन कएल गेल छल। समितिकेँ पता चलल जे डॉ. पाल अपन आधिकारिक पदक दुरुपयोग कयलनि आ ओ अपन बेटाक लेल प्रवेश लेबाक लेल ई प्रमाणपत्र प्राप्त कयने छलाह। आरोप सत्य पाओल गेल।

एहि जाञ्चक बाद समिति अपन रिपोर्ट स्वास्थ्य मन्त्रालयकेँ पठौलक। ओतहि एहि जाँच रिपोर्टक आधार पर मंगल दिन केन्द्र सरकार डॉ. जीके पालक खिलाफ कारवाई कयलक आ डॉ. जीके पालकेँ दिल्ली बजौलक।

संगहि देवघर एम्सक निदेशक डॉ. सौरभ वार्ष्णेयकेँ एम्स पटनाक नव निदेशक नियुक्त कयल गेल अछि। डॉ. सौरभ वार्ष्णेयकेँ एम्स पटनाक निदेशकक रूपमे ३ मासक लेल वा नव निदेशकक नियुक्ति धरि नियुक्त कयल गेल अछि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *