जनसरोकार

पप्पू यादव दिल्ली पहुँचिते लगेताह सेवा आश्रम, पूर्णियासँ जीति आब दिल्लीमे करताह बिहारीक सेवा

नई दिल्ली
*

पप्पू यादव कहलनि जे जहिना ओ दिल्ली पहुंचताह ओ सेवा आश्रम स्थापित करताह, जतय बिहारक लोकक लेल इलाज, रहबाक आ भोजनक व्यवस्था होयत। एकर सङ्गहि ओ चन्द्रशेखर आज़ादक सङ्ग रहबाक आ इंडिया गठबन्धनक समर्थन करबाक बात कयलनि।

लोकसभा चुनाव २०२४ मे बिहारक पूर्णिया सीटसँ जीतलाक बाद पप्पू यादव कहलनि जे दिल्ली पहुंचिते सेवा आश्रम शुरू करब, जाहिमे बिहारक लोकक इलाज, ठहरबाक आ भोजनक व्यवस्था होयत। सांसद बनलाक बाद चिरागक निर्वाचन क्षेत्रमे पप्पू यादवक भव्य स्वागत भेल। ओ कहलनि जे ओ अग्निवीर, बिहारसँ पलायन, महिला सुरक्षा आ बिहारकेँ विशेष राज्यक दर्जाक मुद्दा सदनमे उठेताह। पप्पू यादव इहो स्पष्ट कयलनि जे ओ जेपीसीक मुद्दा सदनमे नहिं चलय देताह।

चिराग पासवान पर कटाक्ष करैत पप्पू यादव कहलनि जे बिहार केर आ बिहारीकेँ फर्स्ट बनाउ। पप्पूकेँ नीतीश कुमारक प्रधानमंत्रीक पैर छूयब पसंद नहिं आयल। ओ कहलनि, समान उम्रक व्यक्तिक पैर छूबाक की जरूरत छल ?

पप्पू कहलनि “चन्द्रशेखर आजादक संग हमर व्यक्तिगत संबंध अछि, ओ दलितक आवाज छथि। चन्द्रशेखर आजादक सङ्ग हमर भावनात्मक सम्बन्ध अछि। हम कांग्रेसी छी, देखैत चलू आगू-आगू की होइत अछि।

पप्पू यादव कहलनि जे किछु लोककेँ देशक लेल लड़य आ मरय केर अछि, जाहिमे एकटा पप्पू यादव सेहो अछि। देशक लेल लड़निहार राहुल गाँधी, प्रियंका गाँधी, अखिलेश यादव छथि तऽ बिहारमे पप्पू यादव अछि। ओ कहलनि जे बिहारक संबंधमे पप्पू यादवक जे जिम्मेदारी अछि से सदनमे जोर-शोरसँ उठाओल जायत।

चिरागक निर्वाचन क्षेत्र पहुँचल पप्पू यादव कहलनि, “आब जँ चिराग जी सेहो मंत्री बनैत छथि तऽ हाजीपुरक विकास करैथ। आब चिराग जी बिहार फर्स्ट आ बिहारी फर्स्ट निभाबैथ। हम सदनमे हरदम मोन पाड़ब जे डबल इंजन सरकार अछि, हाजीपुरक कारखाना कोना विकसित होयत, कारखाना कोना बनत। ओतहि नीतीश कुमारकेँ लऽ कऽ ओ कहलनि “नरेन्द्र मोदी आ नीतीश कुमार एके उम्रक छथि। नीतीश कुमार प्रधानमंत्री मोदीक सामने नस्त-मस्त भऽ गेलाह, ई संस्कार नहिं अछि। हमर नीतीशजीकेँ एतेक गारि देल गेल, डीएनए केर लऽ कऽ सवाल कयल गेल आ गारि पढ़लक आ आइ हम नस्त-मस्त भऽ गेलौंह।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *