कांग्रेस नेता राहुल गांधी मंगल दिन आरोप लगओलनि जे किछु पैघ व्यवसायीकेँ बचाबय लेल एकटा फिक्स मैच खेलल जा रहल अछि आ आम निवेशक एकर सबसँ बेसी नुकसान उठा रहल अछि। राहुल गांधी पवन खेड़ा आ पत्रकार सुचेता दलालक सङ्ग ‘बुच स्टॉप्स हियर’ नामक वीडियोमे निवेशकक बचतक संरक्षणक चर्चा कऽ रहल छलाह। जाहिमे राहुल गांधी सेबी प्रमुख माधबी पुरी बुच आ उद्योगपति गौतम अदाणी पर निशाना साधलनि।
राहुल गाँधी आरोप लगओलनि जे सेबीक अन्तर्गत निवेशकसभक सम्पत्तिक रक्षा करबाक बदला ओ अदाणी समूह सन एकटा पैघ व्यापारिक समूहक रक्षा कऽ रहल अछि। ओ कहलनि, “जखन मैच फिक्स होइत अछि तखन सभ हारि जाइत अछि आ आम निवेशककेँ सबसँ बेसी नुकसान होइत अछि।”
पवन खेड़ा वीडियो साझा करैत कहलनि जे ओ सुचेता दलालसँ चर्चा कयलनि जे सेबीक सङ्ग समझौता शेयर बाजारकेँ कोना प्रभावित करैत अछि। ओ ई बुझयबाक प्रयास कऽ रहल छलाह जे कोना एहेन धोखाधड़ी सिस्टमक कारण मात्र छोट निवेशके टा नहि अपितु सम्पूर्ण समाज आ लोकतंत्रकेँ नोकसान पहुँचा रहल अछि।
कांग्रेस सेहो एहि वीडियोकेँ अपन सोशल मीडिया पर साझा करैत कहलक जे एहि वार्तालापमे कहल गेल जे छोट निवेशकक रक्षाक लेल गठित सेबी आब कोना पैघ कॉरपोरेटक रक्षा कऽ रहल अछि। कांग्रेस आरोप लगओलक अछि जे सेबी अदाणी समूहक ठीक सँ जाँच नहि कयलक, जखन कि हिंडनबर्ग सन कंपनी ओकरा पर शेयरक मूल्यमे हेरफेर करबाक आरोप लगओलक अछि। अदाणी समूह एहि आरोपक खंडन कयलक अछि।
संगहि संग कांग्रेस कहलक, “‘बुच स्टॉप्स हियर’क एहि एपिसोडमे सांसद राहुल गांधी पवन खेड़ा आ वरिष्ठ पत्रकार सुचेता दलालक सङ्ग बैसल छथि आ चर्चा करैत छथि जे एकाधिकारक पक्षमे धांधली कयल गेल व्यवस्था द्वारा खुदरा निवेशकसभक कोना शोषण कयल जा रहल अछि। पार्टी कहलक जे ई वार्तालाप माधबी पुरी बुचक नेतृत्वमे सेबीक विफलताकेँ उजागर करैत अछि जतय आम निवेशकसभक सुरक्षाक उद्देश्यसँ नियामक तंत्र आब अदाणी सन काॅर्पोरेट दिग्गजक रक्षा कऽ रहल अछि।