राजनीति

‘एक राष्ट्र, एक चुनाव’ संवैधानिक संरचना पर हमला : तेजस्वी यादव

मधेपुरा
*

केन्द्रीय कानून मंत्री अर्जुन राम मेघवाल मंगलदिन लोकसभामे ‘एक राष्ट्र, एक चुनाव’ विधेयक पेश कयलनि। ओतहि बिहारमे विपक्षक नेता आ पूर्व उपमुख्यमंत्री तेजस्वी यादव विधेयकक विरोध करैत कहलनि कि ‘एक राष्ट्र, एक चुनाव’ संवैधानिक ढांचा पर हमला अछि।

तेजस्वी यादव अपन ‘कार्यकर्ता दर्शन सह संवाद यात्रा’ लऽ कऽ मधेपुरा पहुँचलाह। संवाददाता सभक सङ्ग बातचीतमे ओ ‘एक राष्ट्र, एक चुनाव’क विरोध करैत कहलनि जे एहिसँ क्षेत्रक मुद्दा गौण भऽ जायत। राज्य चुनाव स्थानीय मुद्दा पर होइत अछि, ओ मुद्दा समाप्त भऽ जायत।

ओ भाजपा पर निशाना साधैत कहलनि, “ई लोक राष्ट्रीय स्वयंसेवक संघ (आरएसएस) केर एजेंडाकेँ लागू करय चाहैत छथि, एहि लेल हम कहैत छी जे ई लोक संविधानक खिलाफ छथि। आब भाजपाक लोक ‘एक राष्ट्र, एक चुनाव’ कहि रहल छथि, पुनः ओ कहताह जे ‘एक राष्ट्र, एक पार्टी’ आ तत्पश्चात कहताह ‘एक राष्ट्र, एक नेता’। एकर अर्थ की अछि ? बादमे पता चलत जे कहता कि आब राज्यमे विधानसभा चुनावक कोनो आवश्यकते नहि अछि, नाॅमिनेटेड मुख्यमंत्री दऽ देल जाय। एहि लेल भाजपाक लोक मुख्य मुद्दा पर गप्प नहि करैत छथि।

ओ कहलनि जे ई तर्क देल जा रहल अछि जे खर्च कम अछि, मुदा प्रधानमंत्री विज्ञापन पर करोड़ो रुपया खर्च करैत छथि। केंद्र सरकार ११ सालमे विज्ञापन पर कतेक खर्च कयलक से बताउ। ओ एक बेर फेर मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक प्रस्तावित ‘महिला संवाद यात्रा’ पर निशाना साधलनि। ओ कहलनि जे मुख्यमंत्री अपन १५ दिवसीय दौरा पर २२५.७८ करोड़ रुपया खर्च कऽ रहल छथि, जदयू सांसद ललन सिंहकेँ बताबय केर चाही जे ई पाई कतयसँ आयल ?

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *