सुरक्षा

हरदीप निज्जर हत्याकांडमे कनाडामे ३ भारतीयक गिरफ्तारीपर एस जयशंकर कहलनि – भारतमे बैन ऑर्गेनाइज्ड क्राइम चलि रहल कनाडासँ

नई दिल्ली
*

कनाडा पुलिस खालिस्तानी आतंकवादी हरदीप सिंह निज्जरक हत्याक मामिलामे तीनटा संदिग्धकेँ गिरफ्तार कयलक अछि। गिरफ्तार कएल गेल तीनू भारतीय अछि। एहनमे कनाडा सेहो भारत पर गंभीर आरोप लगौलक अछि। एहि सम्बन्धमे भारतक विदेश मंत्री एस. जयशंकर कहलनि अछि जे एखन हमरासभकेँ पुलिस जाञ्चक प्रतीक्षा करबाक चाही। ई सेहो चिन्ताक विषय अछि जे ओ भारतसँ ऑर्गेनाइज्ड क्राइमकेँ ओ कनाडासँ संचालित करबाक अनुमति देलनि अछि। विशेष रूपसँ पंजाबक बहुत रास आपराधिक सङ्गठन कनाडासँ संचालित कयल जा रहल अछि।

कनाडाक पुलिस अपराधीक
निज्जर हत्याकांडमे गिरफ्तार कयल गेल तीनू अभियुक्तक कनेक्शन भारतसँ ताकि रहल अछि। कनाडाक पुलिस हरदीप सिंह निज्जरक हत्याक तीनू संदिग्धपर आरोप लगओलक अछि। ओ सभ जाँच कऽ रहल अछि जे संदिग्ध सभक भारत सरकारसँ सम्बन्ध छल कि नहिं। की ओकरा सभकेँ भारतक तरफसँ निज्जरक हत्या करबाक काज सौंपल गेल छल ?

विदेश मंत्री एस जयशंकर कहलनि जे निज्जर हत्याकांडमे तीनटा भारतीयकेँ गिरफ्तार कयल गेल अछि आ एखनो पुलिस हुनकासँ पूछताछ कऽ रहल अछि। ओ कहलनि जे गिरफ्तार कयल गेल सन्दिग्ध कोनो प्रकारक गिरोहक रूपमे काज करैवला भारतीय प्रतीत होइत अछि। फिलहाल हमरा कनाडाक पुलिस द्वारा जाँचक प्रतीक्षा करय पड़त।

विदेश मंत्री कहलनि, “हमसभ एहू बातसँ चिंतित छी जे अहाँ भारतक संगठित अपराधसभ, विशेष रूपसँ पंजाबसँ जुड़ल अपराधसभकेँ कनाडासँ संचालित करबाक अनुमति देलहुँ अछि। भारतसँ जाहि चीजकेँ नियन्त्रित राखल गेल अछि ओ कनाडासँ फल-फूलि रहल अछि।

हरदीप सिंह निज्जरकेँ जून २०२३ मे सिख आबादी वला वैंकूवरक उपनगर सरेमे एकटा गुरुद्वाराक बाहर गोली मारि हत्या कऽ देल गेल छल। कनाडाक प्रधानमन्त्री जस्टिन ट्रूडो एहि मामिलामे भारत सरकारपर हत्यामे संलिप्तताक गम्भीर आरोप लगओने छल। तहियासँ भारत आ कनाडाक सम्बन्धमे खटास आबि गेल अछि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *