राजनीति

‘ओ गड़रिया’ तऽ ‘ओ मुसहर’, लालू आ मांझीमे जातिक नाम पर टकराहट

पटना
*

जीतन राम मांझी लालू यादव पर निशाना साधैत कहलनि जे लालू ‘यादव’ नहि बल्कि ‘गड़रिया’ छथि, जकर जवाब लालू यादव सेहो देलनि अछि।

बिहारमे जातिकेँ लऽ कऽ राजनीतिक हंगामा भऽ रहल अछि। केंद्रीय मंत्री जीतन राम मांझी आ राजद सुप्रीमो लालू प्रसाद यादवक बीच तीक्षण बयानबाजी भेल अछि। जीतन राम मांझी लालू यादव पर निशाना साधैत कहलनि जे लालू ‘यादव’ नहि बल्कि ‘गड़रिया’ छथि, जकर जवाब लालू यादव सेहो देलनि अछि। लालू यादव व्यंग्यात्मक ढंगसँ कहलनि जे जीतन राम ‘मुसहर’ अछि की ?

दरअसल, ई विवाद तेजस्वी यादवक बयानक बाद शुरू भेल छल, जाहिमे ओ जीतन राम मांझीकेँ आरएसएस आ भाजपा स्कूलसँ पास छात्र बतौलनि। तेजस्वी यादव जीतन राम मांझीक जातिक बारेमे कहने छलाह जे ओ मांझी नहिं बल्कि शर्मा छथि। जबाबमे जीतन राम माँझी लालू यादवकेँ गड़रिया बतौलनि।

तेजस्वी अपन बयानमे कहने छलथि, “मांझीजी मुख्यमंत्री सेहो रहल छथि। केंद्रीय मंत्रीक दर्जा मुख्यमंत्रीक समाने होइत अछि, आ ओ जे किछु कहैत छथि तकर तथ्यसँ कोनो लेना-देना नहिं होइत अछि। माँझीजी आ हुनक बेटा आरएसएसक स्कूलसँ पढ़ल-लिखल लोक छथि, तेँ ओ सभ सच्चाई नहिं जानय चाहैत छथि। जे आरएसएस केर लोक थमा देलक, बस मात्र ओतबे पढ़ने छथि। तकरा सत्यसँ कोनो लेना-देना नहि अछि।”

तेजस्वी यादवक एहि बयानक बारेमे जखन केंद्रीय मंत्री जीतन राम मांझीसँ पूछल गेल तऽ ओ लालू यादवक बारेमे विवादास्पद बयान देलनि। मांझी कहलनि जे अगर तेजस्वी हमरा शर्मा कहैत अछि तऽ हुनका अपन पिताक बारेमे बताबय केर चाही, कि हुनकर पिताजी किनकर जनमल छथि ? लालू गड़ेरिया छथि, यादव नहिं।

माँझी कहलनि, “एकटा बात ई अछि जे ओ सभ पढ़ने नहिं छथि, हम तऽ पढ़ि कऽ आयल छी। ओ की छथि, पीएचडी छथि, नेट छथि, प्रोफेसर छथि, हमरा बताउ हुनकर डिग्री की अछि। हमरा लग बीए (ऑनर्स) केर डिग्री अछि। दोसर जँ ओ हमरा सभकेँ शर्मा कहैत छथि तऽ हुनकर पिताजी किनकर जनमल छथि ? गड़ेरियाक जनमल छी, तऽ गड़ेरिया छी, ओ यादव नहिं छथि। केंद्रीय मंत्री जीतन राम मांझीक एही बयान पर लालू यादव सेहो तीक्षण प्रतिक्रिया देलनि। लालू यादव मात्र एक लाइनमे कहि देलनि – ओ मुसहर अछि की ?

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *