सीबीआइ द्वारा गिरफ्तार कयलाक बाद दिल्लीक मुख्यमंत्री अरविन्द केजरीवालक स्वास्थ्य अदालतमे पेशीक क्रममे बिगड़ि गेल। ओ अपन सङ्ग आयल पुलिसकर्मीसभकेँ सूचित कयलनि जे ओ कमजोर महसूस करैत छथि जकर बाद हुनका एकटा कोठरीमे लऽ जायल गेल जतय हुनका चाह आ बिस्कुट परोसल गेल।
एहिसँ पहिने सेहो केजरीवाल अपन खराब स्वास्थ्यक हवाला दैत कानूनी राहत माँगने छलाह। हालहिमे जमानत पर बाहर आयल केजरीवाल अपन एकटा संबोधनमे कहने छलाह जे ओ विभिन्न स्वास्थ्य समस्यासँ पीड़ित छथि, जाहि पर भाजपा नेता वीरेन्द्र सचदेवा कहने छलाह जे केजरीवाल बहाना बना रहल छथि। जँ हुनका सचमुचमे कोनो स्वास्थ्य समस्या अछि तँ हमरा लग आउ, हम व्यक्तिगत रूपसँ हुनका अस्पताल लऽ जायब, आ हुनक सभटा चिकित्सीय जाँच करायब।
बुधदिन भोरे, सीबीआई हुनका तिहाड़ जेलसँ गिरफ्तार कयलक, जकर बाद राष्ट्रीय राजधानी दिल्लीक राजनीतिमे हलचल तेज भऽ गेल। आम आदमी पार्टी हुनकर गिरफ्तारीकेँ लऽ कऽ भाजपा पर निशाना साधलक।
तिहाड़ जेलसँ गिरफ्तारीक बाद सीबीआई केजरीवालकेँ राउज एवेन्यूक अमिताभ रावतक अदालतमे पेश कयलक। केजरीवालक गिरफ्तारीक मुख्य कारण ई अछि जे केजरीवाल ओहि मंत्रिमंडलक हिस्सा छलाह जे शराब नीतिकेँ मंजूरी देलक। जांच एजेंसी आरोप लगओलक अछि जे घूस लेलाक बाद हितधारकक अनुसार शराब नीतिमे संशोधन कयल गेल, जाहिमे केजरीवालक महत्वपूर्ण भूमिका छल। थोक विक्रेताक लाभ ५ प्रतिशतसँ बढ़ाकऽ १२ प्रतिशत कऽ देल गेल।
केजरीवालक वकील विक्रम चौधरी सीबीआईक एहि कदमक विरोध कयलनि अछि। केजरीवालक ओकीलक कहब छनि जे हमर मुवक्किल जे पहिनेसँ एकटा मामिलामे न्यायिक हिरासतमे छथि, हुनका दोबारा गिरफ्तार करब अनुचित अछि। ई अनुच्छेद २१ केर उल्लंघन अछि। हमरा मीडियाक माध्यमसँ अपन मुवक्किलक गिरफ्तारीक जानकारी भेटल अछि। हम मांग करैत छी जे सीबीआई द्वारा दायर रिमांड कॉपी हमरो सौंपल जाय।