जदयू सांसद संजय झा मिथिलावासीकेँ खुशखबरी देलनि अछि। ओ सोशल मीडिया प्लेटफॉर्म एक्स पर एकटा पोस्टमे कहलनि जे आब इंडिगो विमान बिहारक दरभंगा हवाई अड्डासँ दिल्ली आ मुम्बई लेल सेहो उड़ान भरत। इंडिगो एयरलाइंसकेँ एकरा लेल एकटा स्लॉट भेटल अछि। आब इंडिगो दरभंगासँ दिल्ली धरि प्रतिदिन उड़ान भरत, जखन कि मुम्बई सप्ताहमे चारि दिन उड़ान भरत। इ सेवा १ दिसंबरसँ शुरू होयत।
जदयू केर राष्ट्रीय कार्यकारी अध्यक्ष आ सांसद संजय कुमार झा कहलनि जे एकरा लेल टिकटक बिक्री जल्दिये शुरू होमय जा रहल अछि। अपन एक्स हैंडलक माध्यमसँ ई जानकारी साझा करैत ओ लिखलनि, “दरभंगा हवाई अड्डासँ अचानक उड़ान रद्द भेलाक कारण यात्रीकेँ बहुत परेशानी भऽ रहल छल आ एहि हवाई अड्डा पर हुनकर विश्वास कम भऽ रहल छल। एहि संबंधमे हम २१ सितम्बर कs नई दिल्लीमे केन्द्रीय नागरिक उड्डयन मंत्री राम मोहन नायडूसँ भेंट कयने रही आ दरभंगा हवाई अड्डासँ यात्रा करय बला यात्रीक समस्याकेँ दूर करय आ एकरा अंतर्राष्ट्रीय स्तरक हवाई अड्डा बनेबाक लेल रनवे केर विस्तार करबाक लेल ज्ञापन सौंपने छलहुं। ओ इंडिगोकेँ समय स्लॉट प्रदान करबामे सेहो सहायता कयलनि। तकर बाद २३ सितम्बरकेँ दिल्ली स्थित हमर निवास पर इंडिगोक विशेष निदेशकक संग भेल बैसारमे दरभंगा हवाई अड्डासँ एयरलाइनक उड़ान सेवा शुरू करबाक मुद्दा पर विस्तारसँ चर्चा कयल गेल। ओ कहलखिन कि इंडिगो एयरलाइंसक स्लॉट भेटल अछि।”
आब इंडिगो विमान दरभंगा आ दिल्लीक बीच प्रतिदिन उड़ान भरत, जखन कि सप्ताहमे चारि दिन मुम्बई लेल उड़ान भरत। इ सेवा १ दिसंबरसँ शुरू होयत। झा कहलनि जे इंडिगोक उड़ान शुरू भेलासँ दरभंगा हवाई अड्डासँ आबयवला यात्रीसभकेँ दिल्ली आ मुम्बई जयबाक लेल बेसी विकल्प भेटत।